सहरसा: सहरसा जिलाक इस्लामिया चौक पर एकटा निजी कोचिंग सेंटर केर शिक्षक पर बुध दिन ओहि कोचिंग में पढ़ैए बाली एकटा छात्रा छेड़छाड़ व अश्लील हरकत करबाक आरोप लगेलैथ आई। छात्राक आरोप केर बाद लोग सभ कोचिंग संचालक केँ नीक सँ पिटाई कs देलक आर जबरदस्त हंगामा सेहो केलक।पुलिस कोचिंग संचालक केँ हिरासत में लs लेलक । पुलिस महिला थाना में लड़की केर बयान दर्ज करवा छानबीन शुरू कs देने अछि।पोलिटेक्निक कॉलेजक नजदीक रहैए बाली छात्रा कहलैथ कि हम कोटा प्लस कोचिंग में पढ़ैत छी। कोचिंग केँ शिक्षक डीके सर हुनका संग छेड़खानी व अश्लील हरकत केलक।एही मामला में पूछताछ करबाक लेल जखन छात्रा केर भाई व सभ लोग कोचिंग सेंटर पहुंचल तsओतैए आरोपी शिक्षक मौजूद नञि छल। मौका पर पहुंचल आक्रोशित लोग सभ कोचिंग संचालक परमेश्वरी मेहता सs लोग सभ शिक्षक केँ बजेबाक मांग केलक। एही दौरान संचालक व एक दु अन्य छात्र सभ उपस्थित लोग सs दुर्व्यवहार केलक। हंगामा हेवाक बाद आसपास केँ लोग सभ सेहो ओही जगह वहां पहुंच गेल।एहीके बाद स्थानीय लोग सभ कोचिंग संचालक केँ  मारलक ।उक्त घटनाक जानकारी भेटला पर सदर एस.डी.पी.ओ प्रभाकर तिवारी, सदर थानाध्यक्ष आर.के सिंह सहित बहुत रास पुलिसकर्मी पहुंचल आओर संचालक केँ हिरासत में लs लेलक। सदर एस.डी.पी.ओ  बतेलैथ कि लड़की केँ बयान महिला थाना में दर्ज करबैल जा रहल अछि।
#छात्रा संग छेड़छाड़ #सहरसा # मैथिली समाचार