दरभंगा: सहसपुर पंचायतक मदौली गांव में रविदिनक शाझ में शॉर्ट सर्किट केर वजह सँ भेल अइगलगी केँ घटना में चाइर गो घर जैरक राख भ गेल। ई आइग भोगेन्द्र राम केर घर में शॉर्ट सर्किट केँ वजह सँ लागल छल। देखैते देखैते आइग केँ चपेट मेँ रामहृदय राम, राम करण राम आर गरीब राम केर घर केँ सेहो अप्पन चपेट में ले लेलक।
जानकारी केर अनुसार छठ पूजा केँ समान खरीदबाक लेल ज्यादातर लोग बाजार गेल छलैथ। एही बीच आइग लागल। एगो गैस सिलेंडर सेहो विस्फोट भs गेल। आइग केँ भड़कैत देख स्थानीय लोग सभ एहिकेँ सूचना पड़ोसी सीतामढ़ी जिलाक पुपरी स्थित अग्निशामन टिम केँ देलैथ। पुपरी केँ अग्निशमन आइग पर काबू पेलक। एही घटना में चाइर गो घर सहित घर मे राखल अनाज, जमीन केर कागजात, गहना, नगद रुपया सहित घरेलू उपयोग केँ सामान जैर कs राख भ गेल। दुगो मवेशी सेहो हल्का झुलैस गेल अछि। एही घटनाक सूचना मिलैत विधायक जीवेश कुमार घटनास्थल पर पहुंचला। स्थानीय बीडीओ आर सीओ घटना स्थल पर पहुंचलैथ।
#लाइग-लग्गी #दरभंगा #मदौली गाम #मैथिली समाचार





0 Comments