गुजरात:गुजरात राज्यक भरूच जिलाक अंकलेश्वर में मैथिल समाजक द्वारा फेर एही बरख होबैए जा रहल अछि, एकटा विशाल विद्यापति स्मृति पर्व समारोह। जाही समारोह में मैथिली गीत-नाद,आओर बहुतों रास मुद्दा जेना मिथिला में रोजगार,मैथिली शिक्षा,और भी बहुत रास मुद्दा पर चर्चा सेहो कैल जेत। मिथिला दैनिक टिम सँ बातचीत करबाक दरमियाँ  , पशुपति जी कहलैथ  की ई समारोह एकटा अलग अंदाज में करबेल जेत।ऐही समारोह में मिथिलाक सुपरस्टार मिथिला रत्न "पंडित कुंजबिहारी मिश्रा"और हुनकर सम्मत टीम अंकलेश्वर के धरती पर आइब रहल छैथ।यी समारोह 19 जनवरी 2020 (रविवार) गुजरातक अंकलेश्वर(भरूच)ए.आइ.ए. (A.I.A)होल नोटिफाईड ओफिस (G.i.d.c)अंकलेश्वर में होबैए जा रहल अछि। अपने समस्त मैथिल समाज केँ हकार देल जा रहल अछि । एही समारोह में बेसी से बेसी संख्या में पहुँच क समारोह के सफल बनाबी।

कार्यक्रम केर विवरण अही प्रकार सँ अछि! 

1.पंजीयन कार्यक्रम बेरूक पहर 2 बजे सँ साँझ केँ 4 बजे धैर चलत। 

2.स्वागत समारोह साँझक 4 बजे सँ 5 बजे तक चलत। 

3. सांस्कृतिक कार्यक्रम साँझक 5 बजे सँ राइतक 11 बजे धैर चलत। 


अशोक झा जी केँ नेतृत्व में भव्य समारोह भ रहल अछि।  समस्त मैथिल समाज सँ पुनः विन्रम निवेदन जे समारोह मे आइब क समारोह के सफल बनाबी ।

निवेदक
समस्त अंकलेश्वर मैथिल समाज