दिल्ली:[मिहिर झा बेला]मिथिला विभूति कवि विद्यापतिक जन्मदिवस केँ उपलक्ष्य में किराड़ी- दिल्ली स्थित विद्यापति मिथिला विकास समिति आर माया एन.जी .ओ (रजि.)केर द्वारा मनाओल जाए वला विद्यापति पर्व समारोह २०१८ केँ तैयारी अखन जोर-शोर सँ चैल रहल अछि। 
लाखो मैथिल आओर गैरमैथिल भाई-बहीन सभ एही भव्य समारोह में भाग लs कs पुरा देश में मिथिलाक संस्कृतिक  एकटा झलक देशक राजधानी दिल्ली सँ पेश करता।बएही मौका पर मिथिलाक सुपस्टार कलाकार सभ अपन प्रस्तुति देता ।जाहिमें मिथिलाक सुपरस्टार सिंगर - माधव राय,विकाश झा ,जुली झा ,अंकिता ,सोनल राय, अंजू झा ,स्नेहा आर हिरा झा ग्रुपक संग बहुत रास कलाकार सांस्कृतिक प्रस्तुति पेश करता।ऐतबे नञि अपने सभहक परिचित उद्धोषक "राधे भाई" सेहो आइब रहल छैथ। ई कार्यक्रम "विद्यापति मिथिला विकास समिति, विद्यापति नगर, किराड़ी आर माया एन.जी .ओ (रजि.)इंद्रप्रस्थ कलोनी,बुराड़ी, नई दिल्ली केर बैनर तले होबै जा रहल अछि।
एही कार्यकर्मक संयुक्त संयोजक "प्रणव झा" आर "तपन झा"  कहलैथ कि ०९  दिसम्बर २०१८  शाझ में ४  बजे सँ राइतक 2 बजे धैर श्री कृष्णा गार्डन नियर पहचान पत्र कार्यालय स्थित भव्य कार्यक्रम में मिथिलाक सांस्कृतिक, सामाजिक आओर आर्थिक हालात संग-संग विकासक चर्च सेहो होयत ।एही ऐतिहासिक कार्यक्रम में देश भैर सँ लोग सभ भाग लेता । आओर समस्त मिथिलावासी केँ सेहो एही कार्यक्रम में सभजाना हकार देल जा रहल अछि, अपनेहु पुरा परिवार केँ संग आइब एही कार्यक्रम केँ आनंद लिए । अपने समस्त दिल्ली में रहनाहर मैथिल केँ एही आयोजनकर्ता केँ तलफ सेँ हकार देल जा रहल अछि, अपनेहु सभ सपरिवार आबी आओर एही कार्यक्रम केँ आनंद लिई ।
#सबजाना हकार #विद्यापति स्मृति पर्व समारोह #दिल्ली #किरारी #मैथिली समाचार