रोहतास: भोजपुरी फिल्म इंडस्ट्री केँ फेमस एक्टर आओर सिंगर "पावन सिंह" पर एगो स्टेज शो केर दरमियान एक बेर फेर सँ पवन सिंह पथराव करबाक खबर सामने एल अछि।अपने सभ केँ  जानकारी द दी कि आइ-काइल पवन सिंह सिनेमा सँ दूर छैथ, मुदा पवन लाइव शो केँ जरिया सँ अपन फैंस सभहक दिलपर राज करैत छैथ। पवन केँ अक्सर इवेंट आर स्टेज शो  करैत देखल जाइत अछि। पवन सिंहक गीत केँ फैंस बहुत पसंद करैत अछि।सिंहक लाइव परफॉर्म केँ देखबाक लेल दर्शक सभ बेताब रहैत अछि।एहिलेल हुनक स्टेज शोज में दर्शक सभहक बहुत बेसिये भीड़ रहैत अछि।
अखन किछु दिनसँ स्टेज शो केर दरमियान पवन पर पथराव करबाक कतेको घटना सामने ऐल अछि। एही पथराव केँ घटना सँ पवन सिंह बहुत बेसी परेशान देखाइ देलैथ। हाल में बिहारक स्टेज शो केर दौरान हुनक ई दर्द सेहो स्टेज पर छलकल, जखन पवन पर दोबारा सँ पथराव कायल गेल। अपनेक बता दी कि हाल में बिहारक रोहतास जिला में करगहर महोत्सवक दरमियान पवन सिंह लाइव परफॉर्म कs रहल छल , जेनाही पवन सिंह परफॉर्म केनाई शुरू केलक, दर्शक सभ पवन पर पथर फेंकनाई शुरू क देलक। एही वजह सँ पवन सिंह केँ हल्का चोट सेहो लागल अछि। आओर संगैह ओहि जगह मौजूद बहुत रास श्रोता सेहो घायल भs गेल छैथ।अखन घायल सभहक इलाज पीएचसी में चैल रहल अछि।
#पथराव #पवन सिंह #रोहतास #मैथिली समाचार