दरभंगा:[प्रणव चौधरी] दरभंगा जिलाक सभसँ नम्हर होस्पीटल डीएमसीएच केँ एकलौता एक्सरे मशीन पांच दिन सँ ठप परल अछि। मरीज सभ दलालक हवाला भेल अछि। मौजूद व्यवस्था में मरीज सभहक जइमक आर्थिक शोषण दलाल सभहक द्वारा कैल जा रहल अछि। मुदा,मशीनक मरम्मत नञि कायल गेल अछि। एक्सरे केँ लेल रोजाना पहुंचैए बला तकरीबन दु सौ मरीज वापस लौट रहल अछि। जानकारी केर अनुसार सर्जिकल भवन केँ एक्सरे मशीन केँ ट्रांसफार्मर 22 नवंबर केँ जइर गेल छल। ओहि  दिन एहिकेँ सूचना अधीक्षक कार्यालय केँ देँ देल गेल छल। इम्हर कर्मी रोज अपन ड्यूटी पर आबैत अछि आओर बेगर काम केने चईल जाइत छैथ। ऐतैए पहुंचैए बला घायल मरीज केँ सबसँ बेसी परेशानी भ रहल अछि। ओतै काज  करैए बला कहलैथ कि एही मशीन केँ ट्यूब खराब भ गेल अछि। उम्हर, इमरजेंसी वार्ड केँ एक्सरे मशीन पांच बरख सँ ठप पड़ल अछि। शिशु रोग वार्ड केँ नवा एक्सरे मशीन नञि चईल रहल अछि।इम्हर विभाग केँ एकटा मशीन अछि , जे पुलिस केस केर मरीजक एक्सरे होइत अछि। अन्य मरीज केँ एक्सरे एही जगह नञि होयत अछि। अधीक्षक डॉ. आरआर प्रसाद कहलैथ कि दु दिनक भीतर ई मशीन चालू भs जैत।
#मचीन संग लापरवाही #DMCH #मैथिली समाचार