मुजफ्फरपुर: [प्रणव चौधरी] अपहरण केर मामला में सीतामढ़ी जेल में बंद एगो महिला कैदी केर संग एस.के.एम.सी.एच मुजफ्फरपुर में इलाजक दौरान सामूहिक दुष्कर्म करबाक मामला सामने आयल अछि। एही मामला में महिला कैदी 22 नवंबर केँ डुमरा थाना में एफ.आई.आर दर्ज करबाक लेल आवेदन देने छलैथ।जेतैए सँ घटनास्थल मुजफ्फरपुर जिलाक अहियापुर थाना क्षेत्रक होबाक कारण आवेदन केँ अहियापुर भेज देल गेल। जिला सूचना एवं जनसंपर्क अधिकारी परिमल कुमार कहलैथ कि महिला कैदी केर संग दुष्कर्म करबाक मामला जिला प्रशासन केर संज्ञान में आयल अछि।डीएम एही मामलाक उच्चस्तरीय जांच करबाक आदेश देने छैथ । इम्हर  पुलिस सूत्र सँ मिलल जानकारी केर अनुसार, न्यायालय केर आदेश पर अपहरण कांड में बीतल एक बरख सँ सीतामढ़ी मंडल कारा में बंद महिला केँ 11 नवंबर केँ इलाजक लेल पुलिस निगरानी में सीतामढ़ी सदर अस्पताल में भर्ती करबैल गेल। जतैए हुनक हालत में सुधार नञि भेला पर 13 नवंबर केँ एस.के.एम.सी.एच मुजफ्फरपुर रेफर क देल गेल छल। 22 नवंबर केँ उक्त महिला कौड़ी केँ तबीयत सुधार होबाक बाद सीतामढ़ी मंडल कारा में आनल गेल। जेतैए पर महिला कैदी 14 नवंबर केँ इलाजक दौरान एस.के.एम.सी.एच में हुनक संग भेल दुष्कर्मक बात जेलर केँ बतेलक। जाहिकेँ गंभीरता सँ लैत जेलर डीएम सहित वरीय अधिकारी केँ सूचना देलैथ आओर एफ.आई.आर केर लेल कैदी केँ डुमरा थाना भेज देल गेल।उमहर अहियापुर थानाध्यक्ष मनोज कुमार सिंह बतेलैथ कि सीतामढ़ी कारा अधीक्षक केर पत्र केर आलोक में महिला कैदी केँ बयानक आधार पर दो गोटाक खिलाफ एफ.आई.आर दर्ज कायल गेल अछि। जाहिमें शैलेश कुमार आओर छोटेलाल केँ नामजद कायल गेल अछि।
#गैंगरेप #महिला कैदी संग #मुजफ्फरपुर #मैथिली समाचार