दरभंगा:[प्रणव चौधरी] मिथिला विकास बोर्ड(MDB)केँ मांग करबाक लेल मिथिला स्टूडेंट यूनियन(MSU)  2 दिसंबर यानी काइल दरभंगा राज मैदान में एकटा रैली केँ आयोजन कैल गेल अछि।एमसयू केँ राष्ट्रीय संगठन मंत्री अविनाश भारद्वाज कहलैथ कि मिथिला स्टूडेंट यूनियन एकटा गैर-राजनीतिक छात्र संगठन अछि, जेँ मिथिलाक क्षेत्र आओर छात्रक विकास केर लेल सतत कार्यरत अछि। Msu मिथिला विकास बोर्डक लेल विगत दु बरख सेँ लड़ाई लड़ैत आइब रहल अछि। अविनाश कहलैथ जेँ हम सभ 5अगस्त 2018 केँ हमसभ पांच हज़ार सेँ बेसी मैथिल केर स़ग संसद भवन पर विशाल प्रदर्शन केने छेलू।ओतैए एक अक्टूबर केँ पूरा मिथिला में एही माँग केँ लेँ क सफल मिथिला बंद कैलौ । भारद्वाज कहलैथ कि भारतक इतिहास में पहिल बेर कोनो छात्र संगठन 50 हज़ार छात्र-नौजवानक रैली करैए जा रहल अछि। एमसयु आम मैथिल सेँ सेहो अपील करैत छैथ कि 2 दिसंबर केँ दरभंगा राज मैदान में हज़ारक हजार संख्या में दरभंगा राज मैदान आउ आओर महासंकल्प रैली केँ सफल बनाऊ। भारद्वाज कहलैथ कि मिथिला विकास बोर्डक माध्यम सेँ मिथिलाक अंतर्गत 20टा जिलाक 7 करोड़ आदमी केँ सर्वांगीण विकास हेतु केंद्र सरकार एही क्षेत्र में 1 लाख करोड़ रुपया मिथिला विकास बोर्डक माध्यम सs खर्च करैथ। मिथिला में सेहो  AIIMS, IIT, IIM, It park, texttile पार्कक स्थापना होए, स्पेशल एजुकेशन जोन , हरएक जिला में मेडिकल व इंजीनियरिंग कॉलेजक स्थापना होय,बंद उद्योग धंधा (चीनी, जुट, पेपर, खाद, सूत मिल, खादी भंडार, सिल्क उधोग) केँ चालू करबैल जाए। हवाई अड्डा, रेलवे व सड़क नेटवर्क केँ समुचित व्यवस्था, टूरिज्म, कल्चर आऔर भाषा केर संवर्धन हेतु बजट, लधु उद्योग, मत्स्य पालन, कुककटु पालन आदि केर लेल व्यापक कार्ययोजना, महिला शशक्तिकरण हेतु जिला स्तर पर व्यापक मैन्युफैक्चरिंग चेनक के व्यवस्था केएल जाए। मगही सरकार मिथिला केँ लेवर ज़ोन बना क राइख देंव अछि। एही सभहक जबाब 2 दिसंबर केँ संकल्प रैली में एक जुटता केर माध्यम स मैथिल देंता । तैयारी आब अंतिम चरण में अछि। दरभंगा, मधुबनी, समस्तीपुर,सहरसा, सुपौल, मधेपुरा, कटिहार, बेगूसराय, मुजफ्फरपुर सहित 20 जिला सेँ नौजवानक फौज 50 हज़ारक स अधिक संख्या में 2 दिसंबर केँ दरभंगा राज मैदान आइब रहल छैथ।
#महारैली #MSU दरभंगा #राजमैदान # मैथिली समाचार