बीतल बुधवार के मध्यप्रदेश आओर मिजोरम में चुनाव संपन भेल आर 12 सs 20 नवम्बरक बीच में छत्तीसगढ़ में मतदान समपन भेल आर आबै वला 7 दिसंबर केँ राजस्थान आर तेलंगाना में सेहो मतदान भs  जायत आओर सबटा नेता सब के भाग्य मतपेटी में बन भs जेत, परिणाम 11 दिसंबर केँ आयत | लोकसभा चुनाव सs ठीक पहने इ चुनाव केँ 2019 केँ सेमीफाइनल केँ रुप में देखल जा रहल आई । अखन चुनाव प्रचार अपन उफान पर आई सभ नेता अपन जितक ऐलान क रहल आई  लेकिन के बाजी कप जीतत वो 11 तारिक़ के पता चलत |

पांच राज्यों में होय वला ई चुनाव में सभसँ बेसी चर्च 3 राज्य पर भs रहल आई  ! ओ राज्य राजस्थान, मध्य प्रदेश आर छत्तीसगढ़ आई । ई तीन राज्य में एखन बीजेपी केँ सरकार आई । चुनावी पंडित के कहबाक छैन जे ई राज्य में जीतत तकरे असर लोकसभा चुनाव में देखै के भेटत !

सर्वे क मानी तs  बीजेपी मध्यप्रदेश बचा रहल आई,  आओर छत्तीसगढ़ में कांट केँ टक्कर भs रहल आई कांग्रेस बाजी मारैत देखा रहल आई ।
राजस्थान में कांग्रेस केँ वापसी करैत देख रहल आई । ओकर दू टा कारण छै पहलुक ई जे जनता में काज नञि करबाक नाराजगी केँ संग संग यदि  पिछला कतेक चुनाव सँ राज्यक जनता हर बेर सरकार बदैल दै छैथ |

ई तीनू राज्यक लोकसभा केँ सीट केँ देखल जाय तs अहि प्रकार सs आई ..
मध्यप्रदेश में 29टा सीट अछि (जाहि में बीजेपी केँ 27टा सीट भेटल अछि ) राजस्थान में 25टा सीट  अछि ( जाहि में बीजेपी के 25सो सीट भेटल अछि  आर कांग्रेस के सुपड़ा-साफ भs गेल आई ) आओर रहल गप छत्तीसगढ़ केँ ओहिठाम 11टा सीट अछि (जाहि म् 10टा सीट बीजेपी केँ भेटल अछि )

मतलब केँ गप ई अछि कि बीजेपी के लेल 65 टा सीट अछि । ई तीनू राज्य में आओर ओय में सs 62टा सीट बीजेपी जितल छल 2014 केँ चुनाव में | कांग्रेस केँ लेल बहुत ख़ुशीक गप अछि जे करीब करीब 50 टा सीट पर फायदा होत देखा रहल छै  ! आर ई बात बीजेपी केँ आलाकमान केँ  लेल सिरदर्द बनल छैन जे ई सीट के नुकसान के पूर्ति किमहर सs करताह |

✍️ अनूप झा 
(ई ऊपर लिखल गप लेख़क केँ व्यक्तिगत विचार छैन यदि अपनेक केँ कुनु शिकायत आई तs मैल करू हुनकर email id  cmaanup@gamil.com पर ।)
#चुनावी गर्मा गर्मी #अनूप झा #मुम्बई #मैथिली समाचार