दरभंगा:[आशीष चौधरी] शुक्रदिन केँ आयोजित प्रेस वार्ता में "विद्यापति सेवा संस्थानक" महासचिव डा0 बैद्यनाथ चौधरी बैजू जी कहलैथ कि सांस्कृतिक संपन्नताक लेल संसार भैर में विख्यात मिथिला आइ  , सरकारी अपेक्षाक कारण लगातार आर्थिक पिछड़ापन केँ शिकार होबैए लेल मजबूर भs रहल अछि। नतीजा ई अछि कि जाहि क्षेत्रक गांव-गांव में कहियौ शिक्षाक केंद्र छल, आइ ओहि जगह केँ छात्र पलायन केँ लेल मजबूर भs रहल अछि। बाईढ केँ जाही विभीषिका केँ हमर पुरखा सभ देखलैथ। आइ हम-सभ सेहो एही सँ तबाह भs रहल छी आर आबैए वाला पीढ़ी सेहो आई सँ अछूत नञि रहता , ई निर्विवाद सत्य जानैए पड़ैत अछि । कियाकि बाइढ़ केँ निदानक भरोसा दs कs खाली आर खाली मिथिला केँ ठगल गेल अछि। देखल जाए तs जखन एही क्षेत्र पर बाइढ़ केँ कहर नञि  होयत तs ओहि समय एही क्षेत्र पर सूखारक प्रहार होइत अछि। मिथिला सूखार आर बाइढ़ केँ कोढ केँ निरंतर शिकार होइत आइब रहल अछि आर एहिकेँ लेल नोर पोछैए वाला कियौ नञि अछि । जेतैए एक तरफ खेती चौपट भs गेल हन ,ओतैए मिथिलाक मजदूर पलायन करबाक लेल विवश भेल आई ।रोजगारक अभाव  केँ दंश झेलबाक लेल सेहो ई क्षेत्र कम मजबूर नञि भsरहल अछि। देखल जाए तs चीनी मिल, पेपर मिल, जूट मिल आदि ऐतैए कबारी केँ ढेर मात्र बनल अछि। मिथिलाक प्रतिभा रोटी केँ लेल विभिन्न प्रदेश में मजदूरी करबाक लेल विवश अछि।अखनो बिजली केर लेल  कतेको गांवक लोग  तरैस रहल अछि। भाषा-साहित्यक विकास संरक्षण केर अभाव में प्रभावित भs रहल अछि। मैथिली केर प्रति सरकारी स्तर पर षड्यंत्र चैल रहल अछि। ऐतिहासिक, पुरातात्विक आओर धार्मिक स्थल पर्यटन केंद्रक अर्हता राखैत सेहो मिथिला पर्यटन केँ दृष्टिकोण सँ उपेक्षित कैल जा रहल अछि ।  इतिहास गवाह अछि कि अतीत में मिथिलाक अपन स्वाधीनता आर अपन स्वाधीन सत्ता छल। समिति केँ मानब अछि कि वर्तमान समय में मिथिलाक समग्र विकासक लेल अलग मिथिला राज्यक गठन आवश्यक नञि अपितु अनिवार्य अछि। समिति एहिकेँ लिए संघर्षशील अछि। एही क्रम में आगामी 11 दिसम्बर 2018 केँ दिल्ली में विशाल धरना प्रदर्शन केँ कार्यक्रम निर्धारित कैल गेल अछि। जाहिमें मिथिलाक विभिन्न हिस्साक लोगक संग प्रवासी मैथिल सेहो भाग लेता। समिति सभ मिथिला वासी, मिथिला-मैथिली सेवी संस्था,  सभ राजनीतिक दलों केँ नेता, राजनीतिक संगठन आदि सभ सँ  आह्वान करैत अछि कि प्रस्तावित धरना प्रदर्शन में सहभागी बैन कs अलग मिथिला राज्य केँ पुनर्स्थापित करबाक लेल एकजुट होयथ।समिति केंद्र आर राज्य सरकार सँ आग्रह करैत अछि कि ओ मिथिला वासी केँ धैर्यक परीक्षा लेनाई छोइड़ अविलंब चिर प्रतीक्षित मांगक यथा , मिथिलाक समग्र विकासक लेल अविलंब अलग मिथिला राज्यक गठन, केंद्र आर राज्य सरकार सभ कार्यालय में मैथिली  अनुवादक केँ बहाली, मैथिली में प्राथमिक शिक्षाक अनिवार्यता, मिथिलाक सभ रेलवे स्टेशनों पर मिथिलाक्षर में नाम पट्ट लगेबाक संग ओतैए मैथिली भाषा में उद्घोषणक व्यवस्था सुनिश्चय, दरभंगा में हाईकोर्ट केर स्पेशल बेंचक स्थापना, बाईढ़ आर सूखार केँ स्थाई निदान, बंद पड़ल चीनी मिल, जूट मिल, कागज मिल आदि सभ केँ चालू करैए केँ संगैह नव उद्योगक स्थापना केँ रोजगार सृजन, मिथिला केँ शिक्षा केँ हब बनाक छात्र केँ पलायन पर अविलंब रोक, आकाशवाणी दरभंगा सँ समस्त प्रसारण मैथिली भाषा में होए, मिथिला में दूरदर्शन प्रसारणक अलग केंद्रक स्थापना, आकाशवाणी, दरभंगा में समाचार एकांश स्थापित केँ प्रादेशिक समाचारक संग-संग मैथिली में सेहो समाचारक प्रसारण आदि शामिल अछि। ओ कहलैथ कि उपर्युक्त मांगक पूर्ति नञि होबैए स्थिति में समिति आंदोलन केँ आओर धारदार बनैत ।
प्रेस वार्ता में महात्मा गाँधी शिक्षण संस्थानक चेयरमैन हीरा कुमार झा जानकारी देलैथ कि मणिकांत झाक नेतृत्व मे दिल्ली गेल तीन गो सदस्य  प्रतिनिधि मंडलक संग शुक्रदिन केँ पूर्व केन्द्रीय मंत्री पद्मश्री डॉ सी पी ठाकुर  केन्द्रीय मानव संसाधन विकास मंत्री प्रकाश जावड़ेकर सँ मुलाकात कs एखुनका सत्र सs ही एही पाठ्यक्रम मे मैथिली केँ शामिल करेबाक मांग केलैथ । जाहिके ओ तत्काल हरा झंडा दs देलैथ । ओ बतेलैथ कि सीबीएसई पाठ्यक्रम मे मैथिली केँ शामिल करेबा मे प्रभावकारी भूमिका निभाबैए वाला पूर्व केन्द्रीय मंत्री पद्मश्री डॉ सी पी ठाकुर केँ आगामी 16 दिसम्बर केँ महात्मा गाँधी शिक्षण संस्थान में नागरिक अभिनंदन कैल जैत। जखन कि 22-23 दिसम्बर केँ नेपाल में अंतरराष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन केँ भव्य आयोजन कैल जैत।
#प्रेसवार्ता #विद्यापति सेवा संस्थान #दरभंगा #मैथिली समाचार