मधूबनी:[फहीम बकर मूसा]छात्र संघक चुनाव केर कारण मधूबनी जिलाक अंगीभूत कॉलेजों में मंगलदिन केँ काफी सरगर्मी रहल। प्रधानाचार्य सह निर्वाची पदाधिकारी आर प्रतिनियुक्त दंडाधिकारी व पुलिस अधिकारी केँ निगरानी में दोसर दिन नामांकन केँ पर्चा अभ्यार्थी सभ दाखिल करबेलैथ।मधुबनी जिलाक सभ अंगीभूत कॉलेज में दु सौ सँ बेसी छात्र व छात्रा अप्पन नामजदगी केँ पर्चा दाखिल करबेलैथ। सभ महाविद्यालय में गठित चुनाव अभियानक देखरेख में नामांकन केँ काज पूरा कैल गेल।
ओतैए आर.के कॉलेज में संयुक्त निर्वाची पदाधिकारी डा. मुक्तेश्वर राय, डा. अशोक कुमार, डा. अरविन्द कुमार सिंह झा, डा. बरखा अग्रवाल, डा. रूबी कुमारी, डा. मनोज कुमार साह, डा. अवधेश कुमार, डा. रुपेश कुमार, आर.के महतो, विकास कुमार आर कुमार अमरेश केँ देखरेख में नामांकन केँ प्रक्रिया पूरा कैल गेल अछि।जाहिमें नामांकन केर दौरान निर्दलीय छात्र शक्ति केर सदस्य फहीम बकर मूसा, अभिजीत सिंह, सक्सेना सिंह, अनिल मिर्जा, मृत्युन्जय मिश्र, राहुल रॉय, मनीष पासवान, राहुल राज, पंकज पासवान , सुनील पासवान केर नेतृत्व में उम्मीदवार सभहक नामांकन शांतिपूर्ण तरीका सs करबैल गेल। निर्दलीय छात्र शक्ति समर्थित उम्मीदवार एही प्रकार सँ अछि।
अध्यक्ष - अजय कुमार राजा,उपाध्यक्ष - कपिल कुमार चौधरी,सचिव - सिद्धार्थ कुमार,उपसचिव - खुशबू कुमारी,कोषाध्यक्ष - रामजी कुमार।आर विश्विद्यालय प्रतिनिधि केँ सूची एही प्रकार सँ अछि।राशिद रजा,निखिल कुमार,प्रहलाद पासवान,चंदन कुमार पासवान,सतीश कुमार,तौशिफ इकबाल,आदित्य प्रसाद,आनंद कुमार यादव,मोहम्मद मोज़म्मिल अंसारी,सुरजेश कुमार सिंह,मोहम्मद वसीम अकरम,हरि भूषण झा अप्पन नामंकन करबेलैथ।
पंडौल में छात्र संघक चुनाव केँ लs कs 25टा करबेलैथ नामांकन।आर.एन कॉलेज पंडौल में टोटल 22 छात्र व तीनटा छात्रा अप्पन नामांकन केँ पर्चा दाखिल करबेलैथ ।जाहिमें अध्यक्ष पद केर लेल टोटल पांचटा प्रत्याशी शामिल अछि। उपाध्यक्ष पद केर लेल तीनटा, संयुक्त सचिव पदक लेल दूटा, महासचिव पदक लेल तीनटा , कोषाध्यक्ष पदक लेल तीनटा आओर  काउंसलर पदक लेल 9टा अभ्यार्थी शामिल अछि। निर्वाचन मजिस्ट्रेट के.के शर्मा, निर्वाचन पधाधिकारी एस.के शर्मा, मनोज कुमार, प्रो अभिलाषा कुमारी, डॉ एस.के झा व डॉ दीपा कुमारी केर सामने में पर्चा दाखिल कैल गेल अछि।एन.यू.एस.आई केँ तरफ सँ वासिफ अली, बेलाल मंजर, राजा राम महतो, मो मुन्ना आर एमएसयू (मिथिला स्टुंडेंट युनियनक)तरफ सँ जितेंद्र झा, मोहमद परवेज, पल्लवी कुमारी, मोहमद इजहार, नैना कुमारी, विनीत कुमार सिंह, आकाश सिंह, नीरज कुमार भारती आदि छात्र छात्रा सभ नामांकन करबेलैथ।
#गर्मा-गर्मी #यूनिवर्सिटी-कॉलेज #छात्रसंघ चुनाव #मैथिली समाचार