बेंगलुरु:बेंगलुरू केर इंडियन इंस्टीट्यूट ऑफ मेडिकल साइंस में भेल सिलिंडर विस्फोट में एकटा वैज्ञानिक केँ मौत भs गेल जखनकी तीनटा गंभीर रूप सs जख्मी भs गेल अछि। समाचार एजेंसी ए.एन.आई केर मुताबिक, सदाशिवनगर केँ पुलिस कहलैथ - “बेंगलुरू केर इंडियन इंस्टीट्यूट ऑफ साइंस केँ  एयरोस्पेस लैब में हाइड्रोजन सिलिंडर विस्फोट केर कारण एकटा वैज्ञानिक केँ मौत भs गेल अछि,जखनकी तीनटा गंभीर रूप सs जख्म भs  गेल छैथ । मृतक वैज्ञानिक केँ पहचान मनोज कुमार केर रूप में भेल अछि। जेँ आंध्र प्रदेश केर रहैए बला छलैथ। एही विस्फोट में भेल घायल सभहक पहचान अतुल्य, कार्तिक आर नरेश केर रुप में भेल अछि। अखन एही बारे में आर ज्यादा जानकारी केँ प्रतीक्षा क़ायल जा रहल अछि।
#धमाका #IIMS #बेंगलुरु #मैथिली समाचार