पटना: मंगलदिन केँ पटना हाईकोर्टक वकील केँ गोली माइरक हत्या केँ देल गेल। जाही वकील केँ नाम जितेन्द्र कुमार अछि। अखन तक प्राप्त सूचनाक अनुसार जमीन विवाद केँ लs कs वकील केँ गोली मारल गेल।वकील जितेन्द्र कुमार केँ अप्पन भाई केँ संगे जमीनक विवाद चैल रहल छल। जितेन्द्र कुमार खगौल केँ मोतीचक केँ  रहैए वला छलैथ आर वर्तमान में मृतक राजीवनगर इलाका में भाड़ा केँ घर में रहैत छलैथ।  मौका पर पुलिस अधिकारी पहुंच चुकल ,आर जांच पड़ताल शुरू केँ देल गेल अछि। ओतैए जैनैहितें वकील केँ हत्याक सूचना अधिवक्ता सभकेँ भेटल तs ओ सभ आक्रोशित भs गेलैथ। दोपहर में 100 केँ संख्या में अधिवक्ता सभ रोड पर आइब गेल। एही दौरान बेली रोड पर अधिवक्ता आर पुलिसक बीच खूब नोक झाोक होबाक  खबैर सेहो भेटल अछि। ई मामला शास्त्रीनगर थाना स्थित राजवंशी नगर केँ अछि। घात लगौने अपराधी जितेन्द्र सिंह पर कतेको बेर गोली चलेलक। जितेन्द्र सिंह केँ गोली लाइगते जमीन पर गिर गेल। स्थानीय लोगक मदद सँ जख्मी भेल जितेन्द्र सिंह केँ अस्पताल में भर्ती कराओल गेल मूदा इलाजक दौरान मौत भs गेलन। सूचना भेटैत सीटी एस.पी सहित कतेको पुलिस अधिकारी मौका पर पहुंच कs मामलाक जांच में जुइट गेल छैथ। आर एही घटना सs संबंधित पूछताछ कायल जा रहल अछि।अपराधी घटना केँ अंजाम देलाक बाद फरार भs गेल अछि । उक्त शहरक सीमा केँ शील कs पुलिस छापामारी शुरू कs देने अछि ।
#धक्का मुक्की #ओकील सभ सँ #पटना #मैथिली समाचार