गुजरात: [ अनील मिश्रा]गुजरात राज्यक भरूच जिलाक अंकलेश्वर में मैथिल समाज द्वारा होबैए जा रहल अछि, एकटा विशाल विद्यापति स्मृति पर्व समारोह। जाही समारोह में मैथिली गीत-नाद आओर बहुतों रास मुद्दा पर चर्चा सेहो कैल जेत। मिथिला दैनिक टिम सँ बातचीत करबाक दरमियाँ  , पशुपति जी कहलैथ  की ई समारोह एकटा अलग अंदाज में करबेल जेत।ऐही समारोह में मिथिलाक सुपरस्टार मिथिला रत्न "पंडित कुंजबिहारी मिश्रा"स्वर कोकिला "रंजना झा" सज्जन चौधरी आओर बबली चौधरी आइब रहल छैथ। ऐतबे नञि अपने सबके हसेबाक लेल मिथिलाक युवा सुपरस्टार उद्घोषक "रोशन मिश्रा" जे अप्पन आवाज सँ समस्त मिथिलावासी के दिल जीत लेने छैथ।  रोशन अप्पन वैह अंदाज में अपने सबके आशिर्वाद लेबाक लेल गुजरातक जमीन पर आइब रहल छैथ।ई समारोह 26 जनवरी 2019 (शनिवार) गुजरातक अंकलेश्वर(भरूच)स्वामी नारायण मंदिर पुलीस चौकी केँ पाछु में होबैए जा रहल अछि। अपने समस्त मैथिल समाज केँ हकार देल जा रहल अछि । एही समारोह में बेसी से बेसी संख्या में पहुँच क समारोह के सफल बनाबी। 


कार्यक्रम केर विवरण अही प्रकार सँ अछि-
1.पंजीयन कार्यक्रम बेरूक पहर 2 बजे सँ साँझ केँ 4 बजे धैर चलत। 

2.स्वागत समारोह साँझक 4 बजे सँ 5 बजे तक चलत। 

3. सांस्कृतिक कार्यक्रम साँझक 5 बजे सँ राइतक 9 बजे धैर चलत। 

4.प्रीत भोज राइतक 9 बजे सँ शुरू होयत।

अशोक झा जी केँ नेतृत्व में भव्य समारोह भ रहल अछि।  समस्त मैथिल समाज सँ पुनः विन्रम निवेदन जे समारोह मे आइब क समारोह के सफल बनाबी ।

निवेदक
समस्त अंकलेश्वर मैथिल समाज
#विद्यापति स्मृति पर्व समारोह # गुजरात # अंकलेश्वर #मैथिली समाचार