मधुबनी: [प्रणव चौधरी] मधुबनी जिलाक बिस्फी थाना क्षेत्रक चहुटा गांव में  पड़ोस में रहैए बला युवक एकटा आठ बरखक धिया केर अप्पन हवस केर शिकार बना लेलक। फिलहाल पुलिस आरोपी केर पकैड़ लेलक आई । सुत्रक मुताबिक पिड़ित कक्षा चाइर में ओहि गांवक स्कुल में पढैत छैथ। मंगल दिनक राइतक लगभग 8 बजे उक्त बच्ची अप्पन घर केर सामने रोड पर में आइग तापैए छल, तखने पिड़ित बच्ची केर हुनक पड़ोसी आइब के गोदी में उठा लेलक आओर मुह बंद के हुनक घर सs लगभग 250 गज केर दुरी एगो पोखरी केर साइड में लs गेल। आओर ओहि केर बाद पिड़ित संग छेड़छाड़ व दुर्व्यवहार केनाई चालु केलक। एही क्रम में 10 बरखक एकटा बच्चा "कृष्ण कुमार " खेलैत- खेलैत ओहि जगह पहुच गेल, ते आरोपी कृष्ण के 10 रुपया दे सिगरेट आनैए केर लेल भेज देलक। एही बीच सुनसान केर फायदा देख पोखैर केर साइड में राखल पुआल केर ढेरी में ले जा पिड़ित संग जबरदस्ती मुह काला केलक। ओहिके बाद आरोपी ओहि जगह से भाइग गेल। पिड़ित बच्चीया बहुत देर तक बेहोश रहल। हुनक परिजन केर कहब अछि जे कि बच्ची केर गायब देख के हम सब अगल बगल में खोजना शुरू के देलू। तकरीबन राइतक  9: 30 में पिड़ित खुन से लतपथ हाल में घर पहुचल, ओर पुरा आपबीती अप्पन परिवार केर लोक से कहलक। बुध दिन के भोर में एही घटना केर सबंध में पिड़ित केर परिजन केर द्वारा बिस्फी थाना में कंप्लेन करबेलैथ सुचना भेटैत थानाप्रभारी  घटनास्थल पर पहुँच के एही घटना केर जायजा लेलैथ। आओर छापामारी कs उक्त आरोपी के गिरफ्तार के लेलैथ। डि.एस.पी "पुष्कर कुमार" कहलैथ की पिड़ित केर मेडिकल जांच करेबाक लेल भेज देल गेल अछि। इम्हर पिड़ित केर माँ केर बयान पर एफ.आई.आर दर्ज कs लेल गेल अछि।  आरोपी के न्यायिक हिरासत में भेज देल गेल अछि।
#आठ बरखक नैना संग #दुष्कर्म #मधुबनी #मैथिली समाचार