दिनांक 17 फरवरी 2019 कs दहेज मुक्त मिथिलाक मीटिंग नालासोपारा स्थित राजेश राय जिक आवास पर दहेजमुक्त मिथिलाक पूर्व राष्ट्रीय अध्यक्ष आदरणीय पंकज झा जिक अध्यक्षतामे सफलपूर्व
क सम्पन्न भेल॥ जाहिमे श्रीमति लक्ष्मी झा , पंकज झा जी , सुनील ठाकुर जी , राजेश राय जी ,विजय मिश्रा जी , सुनील झा जी ,  सगुण मिश्रा जी , आशुतोष ठाकुर जी , विजय झा जी , रोशन मिश्रा जी , दीपक कुमार मैथिल जी  ,  गौतम राय जी संग बहूत गणमान्य व्यक्ती उपस्थित छलाह॥ सुनील झा जी जे कि दहेजमुक्त मिथिलाक नव सदस्य छथि हूनकर उत्साह देखि मोंन दंग रहि गेल॥ एतबै नहि सुनील झा जी दहेजमुक्त मिथिलाक गतिविधि सँ प्रेरित भ अपन ज्येष्ठ बालक केर विवाह पूर्णतया दहेजमुक्त क रहला अछि॥ बहूत रास बात विचारक भेल सँगैह आगामी 3 मार्च क दहेज मुक्त मिथिलाक स्थापना दिवस आओर होली मिलन समारोह होएवाक सेहो सुनिश्चत भेल॥ इ कार्यक्रमक मुख्य उद्येश्य जे महानुभाव एहि मुहिम के संग चलि स्वेक्षा सँ पूर्णतया दहेजमुक्त विवाह कएलन्हि हूनका सम्मानित करी॥ सँगैह चर्चा-परिचर्चा केर संग वार्षिकोत्सव मनबैत होली मिलनसमारोहक सेहो आनँद उठाबी॥ आगामी कार्यक्रम के लेल केशव रॉक , सर्वेश झा श्रवण , मनूआ ठाकुर , अन्य कलाकार संग उद्घोषक रोशन मिश्रा के आमंत्रित कएल जायत ।

#वार्षिकोत्सव आओर होलिमिलन समारोह #दहेज मुक्त मिथिला #मुम्बई #मैथिली समाचार