मधुबनी: मिथिलाक मधुबनी जिलाक बेनीपट्टी क' रहनिहार चन्दन नामक युवक केर दावा अछि कि ओ 100 मीटर केर दौड़ 11 सेकंड सs कम समय में पूरा क' सकैत छैथ। मिथिलाक लाल चंदन के एकटा विडियो सोसल मिडिया पर तेजी से वायरल भs रहल अछि। जेहिं विडियो में चंदन दौड़ लगाबैत छैथ।  

वीडियो देखबाक लेल एहिठाम क्लिक करि 

अपनेक मालूम होयत जे विगत किछु दिन पहिले मध्य प्रदेशक शिवपुरी इलाका के 19 बरखक धावक रामेश्वर गुर्जर केर एकटा विडियो वायरल भेल छल। जेहिं में रामेश्वर  दावा केने छल जे कि हम 100 मीटर केर दूरी 11 सेकंड में पूरा क लैथ छी। एहि के बाद मिथिलाक मधुबनी जिलाक युवा चंदन कुमार झा केर  विडियो सेहो सोशलमीडिया पर वायरल भs रहल अछि। ओहि में दावा कैल जा रहल अछि कि उक्त युवक सेहो 11 सेकंड सs  कम समय में 100 मीटर केर दौड़ लगा लैत छैथ। इम्हर, प्रशासन केर कहब अछि कि हम एही मामलाक जांच करब और अगर मामला सही पाओल जैत, तs चंदन के पूर्ण मदद कैल जैत। चंदन अनुमंडल पदाधिकारी मुकेश रंजन सs  भेटक अप्पन एही उपलब्धि केर बारे में बतेलैथ,  अनुमंडल पदाधिकारी के कहब अछि जे कि प्रशासनिक स्तर पर युवक के बारे में पूरा जानकारी लेल जैत, अगर दावा सच साबित भेल ते सब स्तर पर पहल करैत कला संस्कृति आऒर युवा विभाग बिहार के संज्ञान में पठाओल जैत।

वीडियो देखबाक लेल एहिठाम क्लिक करि 
21 बरखक चंदन केर पिता बाल मुकुंद झा पेशा से किसान छैथ।चंदन ग्रैजुएशन केलाक बाद अप्पन पिता केर संग खेती में हाथ बंटाबैत छैथ, आऔर सेना में भर्ती होबाक लेल सेहो तैयारी क रहल छैथ। चंदन प्रत्येक दिन भोर में अप्पन गांव धनौजा से बेनीपट्टी तक खुल्ले पैर 6-7 किलोमीटर केर दौड़ लगाबैत छैथ। पढ़ाई करबाक  दौरान चंदन स्कूल में कैको बेर दौड़ प्रतियोगिता में पहिल स्थान पर आइब चुकल छैथ। चंदना केर दावा अछि कि जखन उ मध्य प्रदेशक रामेश्वर केर विडिया देखल ते एकाएक हुंकार मन में अप्पन समयक अंदाज लगेबाक सोचलैथ।चंदन केर दावा अछि जे कि अगर हुनका नीक सुविधा भेटत ते चंदन अंतरराष्ट्रीय स्तर पर  रेकॉर्ड तोइड़ सकैत छैथ।  

मिथिला दैनिक टीम चन्दन के एही प्रतिभा सलाम करैत अछि आओर सफलता के अग्रिम शुभकामना दैत अछि ।