दरभंगा:[प्रणव चौधरी] दरभंगा जिलाक राजद नेता व बिरखौली गांवक रामश्रेष्ठ राय केर बयान पर शराब तस्करवेनवारा निवासी कृष्णा साहक खिलाफ एफआईआर कांड संख्या- 123/19 दर्ज कैल गेल अछि। जेहिंमें शराबक अवैध कारोबार केर विरोध करैए आऔर एही बातक सूचना पुलिस के देला के कारण जान से मारबाक नीयत से गोली मारबाक आरोप लगेलैथ यै।एही संबंध में पूछला पर थानाध्यक्ष जितेंद्र चौधरी कहलैथ कि आवेदन केर आलोक में एफआईआर दर्ज के मामलाक अनुसंधान और उच्च स्तरीय जांच चैल रहल यै, और उचित कार्रवाई कैल जैत।। इम्हर, पुलिसक अनुसार अनुसंधानक क्रम में आरोपी केर साथ में सेहो एहिसे पहिले मारपीट करबाक बात सामने ऐल अछि।और इम्हर दहशत में परिजन सब यी घटनाक बादो आरोपी केर द्वारा धमकेबाक बात कहल गेल अछि। ओतैए हुनक परिजन सब पुलिस प्रशासन से आरोपी केर जल्द से जल्द गिरफ्तारी करबाक मांग केलैथ यै।