दरभंगा[सोमु कर्ण] मिथिलाक हृदय स्थली दरभंगा जिलाक हायाघाट प्रखण्डंक माखनपुर गांव में सोमदिनक भोर के समय  एकटा अज्ञात महिला के बच्चा चोरक संदेह में ग्रामीण सब पकैड़ के लगभग 2 घंटा तक बंधक बना रखलैथ। ग्रामीण सबहक कहब छैन जे कि यी महिला 5 बजे भोर में पोखरक भीड़ केर साइड में एकटा मकई केर खेत में नुका के बैठल छेली,तखने ओहि गाँव के किछु नवयुवक के नजैर उक्त महिला पर परलन,ओर फेर ओहि महिला के पकैड़क गांव में आनल गेल,आऔर लगभग 2 घण्टा तक बंधक बनाक सेहो रखबाक खबैर भेट रहल अछि।ऐहिके बाद नजदीकक थाना अशोक पेपर मील के गांवक चौकीदार लक्ष्मी दास एही घटना के फोन कर जानकारी देलक।ओर थाना उक्त महिला के अप्पन हिरासत में ले लेलक।                                       

 ओहि अज्ञात महिलाक पास से 2 गो पैकेट सिंदूर, एकटा एयरटेल 4जी सिम, हेडफोन और सुपारी भेटल अछि।ग्रामीण सबके कहब अछि जे कि यी महिला राइतक समय घर में घुइसक बच्चा सबके अकेला देख उठा के ले जाइत अछि। है। अज्ञात महिला अप्पन घर कखनो मझौलिया ते कखनो सहोड़ा बता रहल अछि,मुदा किछु लोग सभहक द्वारा ओहि गाँव में पता लगाओल गेल ते एही महिला के पहचानैए बला कियौ नैए छल।अखन फ्लिहाल एपीएम थाना केर हिरासत में महिला अछि।