दरभंगा :  लोकतंत्रक चारीम खंभा के दरभंगा सहित पूरा मिथिला में वास्तविक रूप में चरितार्थ करैए बला पत्रकार निशांत झा के पत्रकारिता में हुनक उत्कृष्ट प्रदर्शन केर लेल "द हीरोज अवार्ड" से सम्मानित कैल गेल। यी  पुरस्कार हुनका भाजपा केर राष्ट्रीय उपाध्यक्ष श्याम जाजू केर हाथ से भेटल अछि।राजनीतिक व सामाजिक पत्रकारिता में उत्कृष्टता केर कैको झंडा गाइड़क अप्पन विशेष पहचान बना चुकल निशांत झा दरभंगा जिलाक हायाघाट प्रखंडक सहोड़ा गांव केर सुशील झाक पुत्र छैथ। मध्यम वर्गक परिवार में जन्मल आऔर पलल बढ़ल निशांत झा एतेक कम उम्र में पैघ पुरस्कार प्राप्त करैए बला मिथिला के प्रथम पत्रकार छैथ। अपन इंजियानरिंग के पढ़ाई पूरा करैए के साथ साथ सामाजिक काम काज आऔर गरीब सबहक आवाज उठेबाक जज्बा दिल मे रखैए बला निशांत झा अप्पन जीवन के पत्रकारिता जैहित कठिन क्षेत्र में झोंइक के अप्पन कामयाबी केर झंडा गाड़लैथ यै।हिनक निडरता और धारदार लेखनी से विधायक, सांसद, मंत्री, अधिकारी सबकी पोल खुलैत रहैत अछि। राजनीतिक पत्रकारिता में विशेष के हिनक बहुत नीक पकड़ मानल जाइत अछि! 
निशांत झा केर एही सम्मान भेटला से हुनक परिवार सहित पूरे क्षेत्र में खुशी केर लहर दौड़ गेल अछि। 
श्री झा केर रीजनल पत्रकारिताक क्षेत्र में उत्कृष्ट योगदानक लेल भारतीय जनता पार्टी केर वरिष्ठ नेता व बीजेपी केर राष्ट्रीय उपाध्यक्ष श्याम जाजू  दिल्ली स्थित कंस्टीच्यूसन क्लब केर डिप्टी स्पीकर हॉल में गैरसरकारी संगठन उन्नत भारत सोशल वेलफेयर सोसायटी के द्वारा आयोजित एगो सम्मान समारोह में “द हीरोज़ अवार्ड” से सम्मानित कैलैथ!
 एही सम्मान समारोह में मिथिलाक लाल निशान्त झा केर अलावा शिक्षा, साहित्य, मीडिया,राजनीति व सामाजिक सरोकार से जुड़ल नामचीन हस्ती के सेहो सम्मानित कैल गेल।प्रबुद्ध वक्ता सब एही कार्यक्रम केर मुख्य उद्देश्य ग्रामीण भारत के सशक्त बनाबैए से संबंधित जुड़ल मसला पर अपन अपन सुझाव देलैथ।एही कार्यक्रम में कैको नेता सबहक उपस्थिति रहल जेहिमें भाजपाक राष्ट्रीय सह संगठन महामंत्री शिव प्रकाश , बीजेपी केर राष्ट्रीय उपाध्यक्ष श्याम जाजू ,बीजेपी दिल्ली केर पूर्व प्रदेश अध्यक्ष श्री सतीश उपाध्याय, सुलभ इंटरनेशनल केर सीनियर वाइस प्रेसिडेंट श्रीमती आभा कुमार,संस्थाक अध्यक्ष अभिषेक मिश्र सहित कैको गणमान्य लोग सब उपस्थित छेलैथ।