दरभंगा :मिथिलाक क्षेत्रक दरभंगा जिलाक डरहार गामक धिया आरती झा के सोनी चैनल पर प्रसारित होबैए बला बहुचर्चित शौ केबीसी मे चुनाव भेलैन यै। सखी-बहिनपा मैथिलानी समूहक संस्थापीका आरती झा एही खबर केँ अपन फेसबूक टाइमलाइन पर पोस्ट कैए जानकारी देलैन यै, संगहि आरती झा केर शुभकामना सेहो अप्पन पोस्ट में देने छैथ।बहुत सौभाग्य सँ दुनू गोटाक नाम आरती झा अछि। आबै बला 16सितंम्बर आऔर 17 सितंबर के आरती झा हॉट सीट पर बैसती। आरती बच्चे सँ पढ़बा-लिखबामे बहुत तेज रहल अछि,अखन वर्तमान मे आरती "इंडियन ओवरसीज बैंक" में अप्पन जीवन यापन करबाक लेल कार्यरत छथि।
सखी बहिनपा मैथिलानी समुह केर आरती झा द्वारा भेटल खबर पर आरती केँ सगरो मिथिला से बहुतरास शुभकामना आऔर आशिर्वाद सेहो भेटि रहल अछि।आरती झा एकटा आरओ खूशी के गप के जानकारी करेलैनि अछि जे कि मिथिलाक धिया आरती झा मिथिला चित्रकला बला शॉल अमिताभ बच्चन केर भेंट करतीह जाहि चित्रकला केर हुनक भौजाई कल्पना चौधरी द्वारा मिथिला-पेंटिंग सँ सुसज्जित बनाओल गेल अछि। अपने सबके जनतब होयत जे कल्पना चौधरी मिथिला-पेंटिंग  सँ जुड़ल छथि। कल्पना चौधरी सखी-बहिनपा समूह के आरती झा केर भौजाई सेहो लागतन।