Random Posts

header ads

मेला घूमबाक लेल निकलल धिया केँ अपहरण , बाद में हत्या ?



मधुबनी। एक तरफ जतैए पुरा देश में माँ दुर्गा केर पुजन कायल जाए छल , कुमाइर कन्या केँ पेर छुइब प्रणाम कायल जाइत अछि,औतैए दोसर तरफ ऐगो मैथिल धिया जिनक उम्र मात्र 12 बरख छल , हुनका त पहिले मेला सँ अगवा क लेल जाइत अछि,ओर फेर हुनक लहास रोडक साइड में भेटल अछि। ऐहने सन ऐकटा झकझोइर देबैए बला घटना सामने आऐल अछि।ई घटना मधूबनी जिलाक अछि।मधूबनी में रोडक साइड में एगो मासुम नाबालिग धिया केँ लाश भेटैए सs सनसनी फैल गेल अछि। बताओल जाइत अछि कि किछु अनजान युवक उक्त धिया केँ जबरदस्ती उठा लs गेल छल।दोसर तरफ पुलिस एही घटना केँ सड़क दुर्घटना में मौत बता रहल अछि। एही घटनाक विरोध में गुरु दिन आक्रोशित भेल लोग सभ रोड पर आगजनी केलक आओर रोड केँ जाम केलैथ। अपनेक जानकारी द दी जेँ ई धिया अप्पन पूरा परिवारक संग दिल्ली में रहैत छली। तीन दिन पहिले ही  दुर्गा पूजा में अप्पन घर ऐल छेली। भेटल जानकारीक अनुसार मधुबनी जिलाक अंधराठाढ़ी स्थित रुद्रपुर थाना क्षेत्रक महरैल गांव में बुधदिनक राइत 12 बरखक एगो धियाक लाश भेटल।मृतका बुधदिनक राइत अप्पन चचेरी छोट बहिनक संग दुर्गा पूजा देखबाक लेल घर सs निकलल छली। मुदा जखन बहुत समय तक ओ घर नञि ऐली त परिजन सभ हुनक खोजनाई चालू केलक। एही बीच परिजन सभके ओहि धियाक मौत केँ पता चलल परिजनक मुताबिक ई मामला दुर्घटना में मौत केर नञि अछि, जेना पुलिस कैह रहल आई । मृत लड़की केँ संग मेला घुमबाक लेल गेल लड़की अप्पन परिजन केँ कहलैथ कि हम दूनू जखन मंदिरक तरफ जा रहल छेलू त दुगो बाइक सवार अनजान लड़का पहिले हमरा धक्का माइर कs गिरा देलक आर  पैघ बहिन केँ अप्पना संग उठा लs गेल।
इम्हर एही घटना आओर पुलिसक रूख सs नाराज भेल लोग सभ गुरु दिन मधुबनी में महरैल-झंझारपुर मुख्य सड़क केँ जाम केने छल।
#नाबालिक अपहरण #मधुबनी #मैथिली समाचार

Post a Comment

0 Comments