लखीसराय: नारी शक्तिक आराधनाक पाबैन दुर्गा पूजा में लखीसराय में एगो दिल दहलाबैए बला आओर एही समाज केँ शर्मशार कs देबैएबाली घटना सामने ऐल अछि। शारदीय नवमी केँ मध्य राइत 12 बजे अप्पन इज्जत बचेबाक लेल एकटा किशोरी केँ केएसएस कॉलेजक बगल स्थित एगो तीन मंजिलक बिल्डिंग केँ छत सs कूदबाक लेल मजबूर होबैए पड़ल। दुष्कर्म सs बचबाक केँ लेल किशोरी केँ छत सs कूदैए पड़ल आओर बिजली केर हाई वोल्टेज तारक चपेट में आइबक उक्त किशोरी झुलसैत नीचा रोड पर आइब गिरल। अस्त-व्यस्त कपड़ा में लड़की केँ अचेत गिरल देख घटनास्थल सs आनन-फानन में जिला प्रशासन व पुलिस केँ सूचना देल गेल। मौके पर नगर थाना सs पुलिसकर्मी पहुंचल आओर किशोरी केँ अस्पताल लs गेलैथ। लड़की केँ पहचान अखन तक नञि भs पायल आई । फिलहाल हुनक इलाज सदर अस्पताल में चैल रहल अछि। पुलिस केँ छत पर शराबक बोतल, तीन गो ग्लास, लड़की केँ लेग्गिज आओर लड़का केँ जींस बरामद केलक आई । ओतोए एगो रूम में तीन टा लड़का आओर एक लड़की सेहो भेटल, जे अखन पुलिसक हिरासत में अछि। रुम में बंद लड़की पुलिस केँ बस एतेक बतेलक आई जे हम एकटा मॉल में काम करैत छी। महिला पुलिसक पूछताछ में लगाओल गेल अछि।अखन फिलहाल पुलिस मामलाक जांच क रहली आई ।एस.पी केर अलावा एस.डी.पी.ओ मनीष कुमार दुटा थाना केँ पुलिसक संग मौका पर उपस्थित छल।उक्त मौका परहक स्थिति देखक पुलिस आशंका जताओल जा रहल अछि कि दुनु लड़की केँ लड़का रुम में बजेने हैत आओर शराबक नशा में एक लड़की सs दुष्कर्म करबाक कोशिश केनो होयत। ऐहेन में लड़की छोइर देबाक गुहार लगाबैत छली आओर युवक सभहक जोर-जबर्दस्ती केर बीच उक्त बच्चीया छत पर सs छलांग लगेबाक लेल मजबूर भ गेली। मध्य राइत में घटनास्थल पुलिस छावनी में बदैल गेल छल। एसपी कार्तिकेय के.शर्मा कहलैथ कि पीड़ित किशोरी केँ इलाज चैल रहल अछि, जखनकि मौका पर भेटल युवक सबसँ पूछताछ कायल जा रहल अछि।
#लड़की संग दुष्कर्म #लखीसराय # मैथिली समाचार
0 Comments