Random Posts

header ads

बिहारक पूर्व मुख्यमंत्री "राबड़ी देवी" एही बरख नञि करती छठ पूजा।



पटना: बिहारक पूर्व मुख्यमंत्री राबड़ी देवी एही बरख छठ पूजा नञि करती।हुनक परिवार केर नजदीकी सूत्रक मानी तँ राजद सुप्रीमो अखन जेल में छैथ, हुनकर स्वास्थ्य सेहो ठीक नञि अछि। संगैह हुनक अनुपस्थिति, बरका बेटा तेज प्रताप केँ घर स लापता आर हुनक तलाक केर कारण अछि।जिनकर चलते पूरा परिवार अखन मायूस अछि । लालू परिवारक लोग अखन तेजप्रताप केँ मनेबा में लागल छैथ। 
उम्हर, लालू परिवार केँ करीबी विधायक भोला यादव शुक्र दिन कहलैथ कि राबड़ी देवी केँ तबीयत सेहो ठीक नञि अछि।एही कारण राबड़ी देवी चाइर दिवसीय छठ महाव्रत केँ अनुष्ठान ठीक सs नञि करती । अपील केलैथ कि मीडिया तेजप्रतापक तलाक मामला केँ तूल द रहल अछि। कहलैथ कि ई पारिवारिक मामलक अछि आर ओ सभ जल्दिए एही केँ सुलझा लेता।अपने केँ मालूम होयत कि राबड़ी देवी मई में तेजप्रताप यादव केँ शादी केर मौका पर कहने छली कि ओ एही बरख छठ पूजा करती।
#बिहारक पूर्व मुख्यमंत्री #राबड़ी देवी #छठ नञि मनौती #मैथिली समाचार

Post a Comment

0 Comments