भागलपूर: भागलपूर जिलाक तिलकामांझी भागलपुर यूनिवर्सिटी (टीएमबीयू) केँ वित्तीय बरख 2019-20 केँ बजट केँ लs कs मंगलदिन केँ भेल सीनेट बैसार में छात्र संघ आर अखिल भारतीय विद्यार्थी परिषद केँ कार्यकर्ता सभ जैमक हंगामा आओर तोड़फोड़ केलक। ई हंगामा मारवाड़ी कॉलेज में भs रहल सीनेट केँ बैठक में छात्र संघक सदस्य केँ सीनेट सदस्यक रूप में शामिल नञि करबाक विरोध में कैल गेल। हंगामा केँ देखैत मात्र 10 मिनट में औपचारिकता केँ पूरा करैत बजट केँ सीनेट केँ मंजूरी दँ देल गेल।एही बैठक केँ अध्यक्षता करैत प्रतिकुलपति डॉ. रामयतन प्रसाद अपन भाषण चालू केने छल,तखने विवि केँ छात्र संघक अध्यक्ष जयप्रीत मिश्रा हॉल में घुइस गेल आर हंगामा  करैए केँ संग एही बैसार केँ विरोध शुरू कs देलक। तकरीबन 10 मिनट तक हंगामा भेलाक बाद जैना-तेना जयप्रीत केँ ओतैए सs निकालल गेल।ओहिके बाद प्रतिकुलपतिअपन अभिभाषण पूरा केलैथ। ई सभ हॉल में जा कs सेहो केलक तोड़फोड़, ई  सभ अंदर घुसैत  तोड़फोड शुरू कs देलक। नेम प्लेट, माइक, गुलदस्ता आदि समान सभ तोइड़ देलक,ऐतैए तक कि अध्यक्षीय आर बजट अभिभाषण केँ कॉपी सेहो फाड़ देल गेल। डीएसडब्ल्यू डॉ. योगेन्द्र आर प्रॉक्टर डॉ. विलक्षण रविदास लड़का सभकेँ रोकबाक प्रयास केलक मुदा लड़का सभ हुनकेँ सs उलैझ गेल।  ई लड़का सभ पूर्व कुलपति केँ निधन केर तुरंत बाद सीनेट केँ बैसार करबाक विरोध क रहल छल।
#छात्र सभक हंगामा #भागलपुर #मैथिली समाचार