Random Posts

header ads

बीजेपी प्रत्याशी केँ पहिराओल गेल जूताक माला, वीडियो भेल वायरल।


मध्य प्रदेश: मध्य प्रदेश राज्य में सत्ता विरोधी केँ लहर सामना कँ रहल बीजेपी केँ नेता , जगह-जगह विरोध प्रदर्शनक सामना करैए पड़ैत अछि।अखन ताजा मामला एकटा आएल अछि जेँ उज्जैनक नागदा-खाचरौद सीटक अछि।ऐतैए बीजेपी प्रत्याशी "दिलीप सिंह शेखावत" केँ चुनाव प्रचारक दौरान गांव खेड़ावदा में एक गोटे  जूता केँ माला पहिरा देलक।आओर एही घटनाक वीडियो सेहो वायरल भs रहल अछि।बताओल जा रहल अछि कि ई घटना सोम दिनक राइतक अछि. वीडियो में ई साफ़ देखाई द रहल अछि कि जखन बीजेपी प्रत्याशी दिलीप सिंह शेखावत एकटा ग्रामीण केँ पैर छुइब कँ वोटक अनुरोध करैत छल,तखने एकटा ग्रामीण भाजपा प्रत्याशी केँ गला में एकटा जूता केँ माला पहिरा देलक।एहिकेँ बाद बीजेपी केँ प्रत्याशी "शेखावत" ग्रामीण सभकेँ पीटैत सेहो नजैर आइब रहल छैथ।बताओल जा रहल अछि कि जेँ ग्रामीण बीजेपी प्रत्याशी केँ जूताक माला पहिरेलक ओहि आदमी केँ नाम मांगीलाल बताओल जा रहल अछि।

बीजेपी प्रत्याशी "दिलीप सिंह शेखावत" एही घटना केँ कांग्रेसक साजिश बतेलैथ आई । ओ कहलैथ कि ई हरकत कांग्रेसक प्लानिंग केँ एकटा हिस्सा अछि। जेँ मांगीलाल ई काज केलक।उक्त आदमी कांग्रेसक समर्थित गांवक सरपंच भगवती बाई केर पति रतन केँ भैगना अछि। रतन अपने सेहो मांगीलाल केँ एही हरकत केँ लेल खूब डाटलक ।अपनेक जनतब करा दी जेँ यी पहिल घटशा नञि अछि,एही सs पहिले सेहो बीजेपी नेता केँ जनता सभहक गुस्साक सामना करैए परल अछि। एहिकेँ पहिले मुख्यमंत्री शिवराज सिंह चौहान केँ पत्नी साधना सिंह केँ किछु महिला सभ विरोध केने छल। ओहिकेँ बाद जखश शिवराज केँ बेटा कार्तिकेय बुधनी विधानसभा सीट पर वोट मांगबाक लेल पहुंचल छलैथ तँ हुनका सँ लोग सभ ई तक पूइछ लेने छल कि आब कियैक एलू हैं ?
#जनता में आक्रोश #भाजपा विरुद्ध #MP #मैथिली समाचार

Post a Comment

0 Comments