समसतीपूर: समसतीपूर जिला में सोमदिन एक बेर फेर मानवता शर्मसार भेल, एकटा नवजातक लहास केँ कुत्ता नोइच-नोइच कs खाइत छल। आओर अहिकेँ देखबाक लेल लोग सभहक भीड़ लागल छल। कियो मुंह घुमा आगा निकैल जाइत छल त कियौ अपन काम में व्यस्त छल। मूदा,कियौ भी रोकबाक लेल आगा नञि आइब रहल छल। कुत्ता सभ कखनों जिला अतिथि गृहक पास ओहि लहास केँ लs जा रहल छल तँ कखनो पशुपालन अस्पताल केँ तरफ।
एहिसेँ पहिले सेहो पशुपालन अस्पताल, डॉ. आरपी मिश्रा रोड आओर रेलवे ट्रैक पर फेंकल गेल नवजात केँ लहास केँ कुत्ता सभ तितर बितर बना चुकल छल। पिछला पांच दिन में रोसड़ा, खानपुर आओर उजियारपुर में तीन गो नवजात बच्ची केँ नाला में भेटल छल। संयोग सs तीनु बच्ची जीवित छलैथ। स्थानीय लोग सभहक पहल पर ओहि बच्चीया सभकेँ बचाओल गेल।
#मानवता भेल शर्मसार #समस्तीपुर #मैथिली समाचार
0 Comments