Random Posts

header ads

मिथिला राज्य परिसीमन जागृति यात्राक भेल शुभारंभ।



दरभंगा:[मनीभुषण राजु]महाराजाधिराज कामेश्वर सिंह मिथिला राज्य परिसीमन जागृति यात्राक प्रथम चरण केँ प्रारंभ आई 17 नवंबर केँ श्यामामाई मंदिर, दरभंगा सs समस्त मार्गदर्शकगण एवं विप्रजन केँ आशीर्वाद लैत चालू भेल। डा. बैद्यनाथ चौधरी 'बैजू',  डा. अयोध्या नाथ झा, प्रो. विनोद चौधरी(पूर्व एम एल सी), मुरारी मोहन झा,राम नारायण झा,उदयशंकर मिश्र, मणिकांत झा, जीवकांत मिश्र,विनोद कुमार झा, राजेश कुमार सिंह ठाकुर,प्रवीण झा, सुजीत मिश्रा,विनीत कुमार झा, मिथिलेश कुमार मिश्र, चंदन कुमार सिंह,संजय 'रिक्थ',चन्द्रशेखर झा 'बुढ़ाभाई',धीरज कुमार चौधरी, प्रो. मो. नुरुल्लाह अंसारी,भोला यादव, पंकज कुमार मिश्र,हरि किशोर चौधरी, शक्ति नाथ झा,दुर्गानंद झा,चन्द्र मोहन चौधरी,चन्द्रमोहन झा 'पड़वा', अजय नाथ शास्त्री(मिथिलाक्षर शिक्षा अभियान), गुड्डूजी,उदय मिश्र, महेंद्र झा आ हेमचन्द्र राय
संग बहुत रास गणमान्य लोक सभ उपस्थित भय यात्रा में शामिल अभियानी सबकेँ आशीर्वाद देलैथ।
प्रथम चरण केँ एहि यात्रा में प्रस्तावित यात्रा विवरण निम्न अछि।

17-11-2018
दरभंगा(प्रस्थान श्यामामाई मंदिर सs) भोरका1 2 बजे
लहेरियासराय 12.30 बजे
हजमा चौराहा 1.00 बजे
हनुमान नगर 1.30 बजे
कल्याणपुर  होईत
समस्तीपुर 2 बजे
दलसिंहसराय 3 बजे
रोसड़ा 4 बजे
बखड़ी 5 बजे
खगड़िया 6 बजे
महखूंट 6.30 आमसभा संग रात्रि विश्राम

18-11-2018
नवगछिया 10 बजे
कुर्सेला 11 बजे
कटिहार 12 बजे
पूर्णियां 1 बजे
अररिया 2 बजे
रानीगंज 3 बजे
त्रिवेणीगंज 4 बजे
पिपरा 5 बजे
सुपौल 6.30 बजे(सभा) संग रात्रिक विश्राम

19-11-2018
सुपौल(सभा) 10बजे
मधेपुरा (सभा) 11 बजे
सहरसा  बजे सभा 12 बजे
महिषी उग्रतारा 2 बजे
बिरौल 7.30 में विद्यापति पर्व समारोह सभा संग रात्रिक विश्राम।
20-11-2018
बेनीपुर (सभा)  10 बजे
धरहारा (सभा)  11 बजे
नेहरा 12 बजे
सकरी सभा 1  बजे
पंडौल सभा संग 2 बजे
मधुबनी 3 बजे
राजनगर 4 बजे
कलुआही 5 बजे
रहिका 6 बजे
बसौली 7 बजे
औंसी जीरो माईल 
दरभंगा 9 बजे में रात्रिक विश्राम।

एहि परिसीमन यात्राक मुख्य उद्देश्य मिथिलाक अलग-अलग जिला केँ लोग केँ एकसूत्र मिथिला में जोड़ि आ आजादी केर बाद सs पसरल मिथ्याक दूर केनाई अछि।

एही यात्राक मुख्य उद्देश्य निम्न अछि।

बोलीक विविधताक कारण बनल  द्वेष समाप्त कयनाई।
पूर्वी-पश्चिमी आ उत्तरी-दक्षिणी मानसिकताक समाप्त कैए सभके बीच समन्वय बनेनाई।
संगैहि मैथिली भाषाक स्कूल में पढ़ाई  प्रारंभ करेबाक लेल संयुक्त प्रयासक लेल सभके जनजागरण केनाई।
अप्पन मिथिलाक गौरवमयी इतिहास आ संस्कृति सs नव युवा वर्गक जोइड़ मिथिलाक एकीकरण।
ओना मुख्य उद्देश्य एही यात्राक मात्र पृथक मिथिला राज्य लेल अलख जगेनाई अछि। ई परिसीमन यात्रा 17 नवंबर केँ श्यामामाई मंदिर सs प्रारंभ होईत विभिन्न जिला सs होईत वापस 21 नवंबर केँ पुनः श्यामामाई मंदिर में अगिला चरणक घोषणाक संग समापन होयत।
#शुभारंभ # मिथिला राज्य परिसीमन जागृति यात्रा #मैथिली समाचार

Post a Comment

0 Comments