रांची: चारा घोटाला केँ सजा काइट रहल बिहारक पूर्व मुख्यमंत्री लालू प्रसाद यादव केँ तबीयत लगातार बिगैर रहल आई । रांची केर रिम्स में भर्ती लालू यादव केँ कि़डनी सही ढंग सs काज नञि कs रहल छैन।हुनक किडनी सीरम क्रिएटिनिन केँ 1.85 केँ स्तर तक जा पहुंचल आई । एहिके अलावा जी.एफ.आर में सेहो बढोत्तरी भs रहल छैन। अगर हुनक हालत में सुधार नञि भेल तs मानल जा रहल अछि कि लालू यादव सीकेडी फोर स्टेज में जा सकैत छैथ। लालू यादव केँ हाल चाल पूछबाक लेल रिम्स में एनसीपी केर नेता डीपी त्रिपाठी आर मसौढी सs विधायक रेखा देवी सेहो गेल छलि। लालू प्रसाद यादव सs भेट करबाक लेल पहुंचल मसौढ़ी सs विधायक रेखा देवी लालू यादवक स्वास्थ केँ लs कs चिंता जाहिर केलैथ। रेखा देवी बतेलैथ फिलहाल लालू यादव केँ तबीयत ठीक नञि अछि। लालू यादव केँ पैर में घाव भs गेल अछि। जाही सs लालू यादव चलैए में असमर्थ छैथ।हुनक शूगर लेवल सेहो बढ़ल अछि। रेखा देवी लालू प्रसाद यादव केँ बेहतर इलाजक लेल रांची सs बाहर लs जेबाक बात सेहो कहली है ।
रिम्स में लालू यादव केँ इलाज रहल मेडिसिन विभागक प्रो. "डॉ उमेश प्रसाद" बतेलैथ कि इन्फेक्शन रोकबाक लेल दुगो एंटीबायोटिक दवाएं शुरू कैल गेल अछि। इंसुलिन केर संग-संग आओर दवाएं पहिले सs ही चैल रहल अछि। फिलहाल अखन लालु यादव केँ ऑब्जर्वेशन में राखल गेल अछि। एक दु दिन देखलाक बाद यदि हुनक तबीयत में नञि सुधार ऐल तँ ओहि सs बेहतर विकल्पक लेल सोचल जैत।अपनेक बता दी जेँ गुरुदिनक राइत में लालू यादव केँ शुगर लेवल 190 पहुंच गेल छल। डॉ उमेश प्रसादक कहब अछि जेँ टोटल काउंट केँ बरहनाई संकेत दैत अछि कि शरीर में इन्फेक्शन केँ स्तर बहुत बरहल अछि।
#डायलिसिस #राजद सुप्रीमो #लालू यादव # मैथिली समाचार
0 Comments