Random Posts

header ads

दीक्षांत समारोह में एही बेर मिथिलाक पहचान पाग पहिरत विद्यार्थी व अतिथी सभ।




दरभंगाः[प्रणव चौधरी] दरभंगा जिलाक कामेश्वर सिंह दरभंगा संस्कृत विश्वविद्यालय में 20 नवंबर केँ आयोजित होबैए बला छठम दीक्षांत समारोहक तैयारी केँ लs कs चैल रहल साफ सफाई आर रंग पेंट केँ काज  सभ आब अंतिम चरण में अछि। शिक्षा शास्त्र विभाग परिसर में बैन रहल पंडाल निर्माण केँ लेल बांस बल्ला लगेबाक काम जोर-शोर सs दिन राइत चैल रहल अछि।पुरना पीजी विभाग परिसर में सेहो साफ-सफाई केँ काम चैल रहल आई । इमहर राशि नक्षत्र वाटिका केँ सेहो साफ-सफाई कैल जा रहल अछि।
दीक्षांत समारोह केँ तैयारी केँ लकs  करीब 3 दर्जन मुद्दा पर गुरुदिन केँ आयोजन समिति केँ बैठक कुलपति "डॉ. सर्व नारायण झा" केँ अध्यक्षता में आयोजित कैल गेल छल।आयोजन समितिक सभ अधिकृत शिक्षाकर्मी केँ व्यक्तिगत जिम्मेदारी दैत सामूहिक काम केँ सफलतापूर्वक संपन्न करेबाक लेल आदेश देल गेल अछि।एही आयोजन केँ लs कs अधिकारी सभकेँ जिम्मेवारी सोपल गेल अछि।संस्कृत विश्वविद्यालयक दीक्षांत समारोह में मालवीय पगड़ी केर स्थान पर विशेष परिस्थिति में मिथिलाक पहचान पाग केँ व्यवस्था करबाक लेल राज भवनक तलफ सs शुक्रदिन सहमति प्रदान कs देल गेल अछि। संयुक्त सचिव विजय कुमार केँ तरफ सs संस्कृत विश्वविद्यालय केर कुलपति केँ प्रेषित पत्र में कहल गेल अछि कि पगड़ी केर स्थान पर पाग केँ व्यवस्था कैल जा सकैत अछि। राजभवन सs पहुंचल पत्रक अनुसार 4 गो शिक्षा विभूती केँ विद्यावाचस्पतिकी उपाधि सs सम्मानित कैल जैत। जाहिमें पूर्व कुलपति "प्रो. मुनीश्वर झा", वाराणसी केर सेवानिवृत्त प्राचार्य "प्रो. कृष्ण चंद्र द्विवेदी",उड़ीसा केर डॉ. "हरिहर झा "व सुलभ इंटरनेशनल केर "डॉ. बिंदेश्वर पाठक" केँ नाम शामिल अछि।
#पाग पहिता #दीक्षांत समारोह #दरभंगा #मैथिली समाचार

Post a Comment

0 Comments