दरभंगा:[प्रणव चौधरी] मिथिलाक हृदय दरभंगा में भारतीय वायू सेनाक एयर शो 20 नवंबर केँ होबैए जा रहल अछि।भारतीय वायु सेनाक होसला , पायलट केर कर्त्तव्य अहा सभ आइतक टीवी पर कतेको बेर देखने होयब। मूदा आब हुनक कर्त्तव्य अहा सभ दरभंगा एयर फोर्स कैम्प पर देख सकब अपना आइख केँ सामने 20 नवंबर केँ ऐतैए केँ वायु सेना केन्द्र पर 20 नवम्बर केँ एयर फोर्सक हेलीकॉप्टर टीम ‘सारंग अप्पन हैरत अंगेज कर्त्तव्य देखेता । जाहि शो केँ लेल अखन जोरशोर सs तैयारी चैल रहल अछि। एयर शो केर लेल वायु सेनाक करीब आधा दर्जन हेलीकॉप्टर पहुंच चुकल अछि दभंगा। वायु सेनाक अधिकारी केँ तरफ सs आमंत्रित कैल गेल एयर शो केर दीदार कs सकता।
दरभंगा वायु सेना केन्द्रक विंग कमांडर राजीव रंजन कहलैथ कि नीला वर्दी वाला वायु सैनिक केँ जांबाजी केँ प्रति लोग सभकेँ बीच जागरुकता पैदा करबाक लेल बिहार में पहिल बेर एयर शो केँ आयोजन कैल जा रहल अछि। एयर शो केर मुख्य उद्देश्य युवा सभकेँ भारतीय वायु सेना में भर्ती भs कs देशक सेवा करबाक लेल प्रेरित केनाई अछि।विंग कमांडर कहलैथ कि अप्पन प्रदर्शन सs संपूर्ण विश्व में पहचान बनाबैए वाली सारंग टीम अप्पन कर्त्तव्य सs दरभंगाक लोग सभकेँ रोमांचित करत। ई टीम आबैए वाला किछु महीन में संपूर्ण उत्तर भारत व पूर्वी राज्यक कतेको केंन्द्र पर प्रदर्शन करत। दरभंगाक बाद गुवाहाटी में एयर शो आयोजित कैल जैत। ओ बतेलैथ कि 17 सs19 नवम्बर तक सारंग टीम दरभंगा एयर फोर्स कैम्प पर अभ्यास करत। आओर 20 नवम्बर केँ दु घंटाक एयर शो में सारंग टीम लोग सभकेँ रोमांचित करत।
#वायुसेनाक एयर शो #दरभंगा #मैथिली समाचार
0 Comments