Random Posts

header ads

माऊंबेहट में 15 बरख सँ होयत आइब रहल अछि, छठ पूजाक अवसर पर संकीर्तनक आयोजन।




दरभंगा:[सुमित माऊंबेहटिया] दरभंगा जिलाक मनीगाछी प्रखंडक माऊंबेहट गांव जतैए सुर्योपासना केँ महापर्व छठ पूजा पुरा श्रद्धा आर धुमधाम सँ मनाओल जाइत अछि ।एही गाम में 2003 सँ स्वयं सेवी संस्था माऊँबेहट केर द्वारा ओहि  गामक "संसार नाथ बाबा मंदिर" प्रांगण में हर बरख छठ पूजा केँ अवसर पर खरना दिन सँ भोरका अर्घ्य तक अखंड नामधुन संकीर्तन केर आयोजन कैल जाइत अछि।
 सभ बरखक भाँति एहु बरख काइल खरना केर दिन "स्वयं सेवी संस्थाक" सदस्य आओर ग्रामीणक सहयोग सँ कुवाइर कन्याक केर द्वारा कलश शोभायात्रा निकालल गेल छल। तालाब सँ जल भैरकर संसार बाबा मंदिरक स्थान में राइख केँ नामधून संकीर्तनक शुरूआत कैल गेल अछि।एही दौरान स्वयं सेवी संस्थाक अध्यक्ष लालटुन झा , कोषाध्यक्ष उमापति ठाकुर , सचिव हीरानंद मिश्र , सदस्य राधेश्याम झा , विकास,संतोष,नागेश , शंकर ,गोविंद , मुन्नू , चुन्नू , सुमित माऊँबेहटिया , आनंद , अंकित , पंकज सहित कतेको सदस्य आओर ग्रामीण शोभायात्रा में शामिल छलैथ।
#छठ पूजा #माऊन्बेहट #दरभंगा #मैथिली समाचार

Post a Comment

0 Comments