सुरत:[प्रणव चौधरी] मिथिला सँ दुर रहलाक बावजूदो परसू राइत में मैथिली गीत सँ सुरत में रहनिहार मैथिल सभ झुइम उठल।"सुरेश आनंद" केँ गीत "जोगिया एक देखलू हम माई" केँ गीत सभहक दिल जीत लेलक।ऐतबे नञि ऐही मंचक उद्घोषक केँ रूप में मिथिलाक परिचित उद्घोषक "रोषन मिश्रा जी केँ" जतेक बराई करी कम होयत।सभ कलाकार एक सँ एक मैथिली भजन गीत सँ समस्त उपस्थित भक्त सभहके दिल जीत लेलैथ।
अपने सभके जानकारी द दी जेँ सुरत में रहनिहार प्रवासी मैथिल सभहक संस्था "आदर्श मिथिला मंडलक"तत्तवाधान में हरेक बरख भातिं एहु बरख काली पुजाक आयोजन कायल गेल ।जाही काली पुजा में मैथिली सास्कृतिक कार्यक्रम केर आयोजन भेल छल।सबसँ पैघ गप जे एही कार्यक्रम में सिर्फ मैथिली भक्ति गीत केँ जगह देल गेल।ऐही संस्थाक अध्यक्ष "सुरेंद्र मिश्राक" सs भेल बातचीत में ओ कहलैथ जे हम सभ मिथिला सँ दुर रहलाक बावजूद हम सभ सुरत में माँ मिथिलाक हरेक पाबैनक आयोजन करैए छी।
आदर्श मिथिला मंडल जे काली पूजा केँ आयोजन केने छल,जाही में अतिथी केँ रूप में वैदेही सेवा संस्थान केँ अनिल मिश्रा, आओर एही संस्था केँ गुजरातक इकाई केँ अध्यक्ष सुबोध मिश्रा उपस्थित छलैथ। वैदेही सेवा संस्थान केँ अनिल आओर सुबोध जी कहलैथ जे हमर सभहक संस्था मिथिला में दहेज नामक बिमारी केँ समाप्त करबाक काज कs रहल अछि।आर हम सभ अखन तक लगभग 82 गो विवाह वैदेही सेवा संस्थान केँ बैनर तले दहेज मुक्त भs चुकल अछि।अखनो ई सभ बहुत रास बायोडाटा लरका/लड़की केँ रखने छैथ।आओर बहुत जल्दी ई सभ आब गाम- गाम जा कs समाज केँ जागरूक करबाक लेल कहलैथ ।
#हर्षोल्लास सँ मनायल गेल #कालीपूजा #सूरत #मैथिली समाचार
0 Comments