Random Posts

header ads

2 नवंबर केँ रिलीज होइत मैथिली सिनेमा ‘प्रेमक बसात’। सांसद पप्पु यादव केलैथ म्यूजिक लॉन्च।



पटना, : जन अधिकार पार्टी केँ राष्‍ट्रीय संरक्षक सह सांसद राजेश रंजन उर्फ पप्‍पू यादव काइल पटना केर होटल रिपब्लिक में मैथिली में अखनुका सबसेँ नायाब सिनेमा ‘प्रेमक बसात’ केँ म्‍यूजिक लांच केलैथ।एही दौरान ओ  सिनेमाक निर्माता सभकेँ सेहो खूब बधाई दैत कहलैथ कि मैथिली दुनिया भैर में बाजैए बाला भाषा में सबसँ  मीठ भाषा अछि। मिथिला शुरेये सँ विद्वान सभहक भूमि रहल अछि।मुदा सामाजिक आर राजनीतिक उपेक्षाक कारण मिथिलाक विकास नञि भs सकल। यैह वजह अछि कि मैथिली सिनेम केँ  बारे में लोग सभकेँ बेसी पता नञि होइत अछि। मुदा वेदांत झा आर रूपक सरर बेहतरीन काज करबाक प्रयास केलैथ आई ।आब बिहार राज्‍य सरकार केँ सेहो मिथिला में फिल्‍मक संस्‍कृति विकसित करबाक लेल ध्‍यान देबाक चाही। कियैक त सिनेमा सेहो सामाजिक बदलवाक एगो कारण होइत अछि।

एही सिनेमाक म्‍यूजिक लांचक दौरान निर्देशक रूपक जी कहलैथ कि ई सिनेमा 2 नवंबर केँ बिहार आर नेपालक सिनेमाघर में रिलीज होयत। ओ बतेलैथ कि ‘प्रेमक बसात’ सब मायना में खास अछि। एहिमें हम सभ मैथिली संस्‍कार आर सामजक बखूबी देबाक प्रयत्न  कैयाल गेल  अछि। एहि सिनेमाक डॉयलोग लोग सभकेँ सेहो बहुत पसंद आउत । संगैह गीत सेहो बहुत कर्णप्रिय अछि, लोग सभ सिनेमाक गीत केँ बार – बार सुनता ई विश्वास आई ।फ़िल्म में मिथिलाक लोक गायन केँ संग बॉलीवुड केँ म्‍यूजिक केर समागम देखबाक लेल भेटत। एही मौका पर सिनेमा सँ जुडल आर बहुत रास कलाकार सेहो मौजूद छलैथ , जे एही सिनेमा केँ बेहतरीन बतेलैथ।
शरर जी  कहलैथ कि सिनेमा में बतौर अभिनेता पियूष कर्ण डेब्‍यू कs रहल छैथ , जेँ मूलत: नेपाल केर इंटरनेशनल मॉडल छैथ आर ओ कन्‍नड़ में एगो शॉर्ट फ़िल्म सेहो केने छैथ। हुनक अपोजिट फीमेल लीड रॉल में रैना बनर्जी छैथ, जेँ साउथ केँ फिल्म में सेहो काज कs चुकल छैथ।ओहिके अलावा सभ कलाकार एही सिनेमा में खूब मेहनत केलैथ । शरर जी  केँ अनुसार, सिनेमा 'प्रेमक बसात',  मैथिली केँ पहिल ऐहेन सिनेमा अछि,जेहिमें मशहूर प्‍ले बैक सिंगर उदित नारायण केर बेटा आदित्‍य नारायण आर परदेशी (देव डी), इकतारा (वेकअप सिड), कबीरा (ये जवानी अछि दिवानी),परिंदा (जब हैरी मेट सेजल) जहैत सुपर हिट गीत सs लोग सभहक दिल में जगह बना चुकल बॉलीवुड सिंगर तोची रैना केँ आवाज सेहो सुनबाक लेल भेटत। 
अपने सभकेँ जानकारी द दी कि मैथिली सिनेमा 'प्रेमक बसात' केँ निर्माण जे एम के इंटरटेनमेंट केर बैनर तले भेल अछि।आर ऐहिके निर्माता वेदांत झा अछि।एही सिनेमा में पियूष कर्ण, रैना बनर्जी, मोना रे, प्रज्ञा झा, राकेश त्रिपाठी,कल्पना मिश्रा, एस.सी.मिश्रा, गोविन्द पाठक, राजीव झा, प्रेम नाथ झा,जितेन्दर झा, शैला झा, आशुतोष सागर,राजेंद्र कर्ण, अनुराग कपूर, संगीत झा आओर कुणाल ठाकुर मुख्‍य भूमिका में छैथ।एही सिनेमाक एग्‍जक्‍यूटिव प्रोड्यूसर कुणाल ठाकुर, प्रचारक रंजन सिन्‍हा, सर्वेश कश्‍प आर संजय भूषण पटियाला छैथ। आर्ट डायरेक्‍टर प्रेमचंद छैथ। जखन कि म्‍यूजिक प्रवेश मल्लिक आर सरोज सुमन केँ अछि। डीओपी नरेन्दर पटेल व डांस केदार सुब्बा आर राजीव समर निर्देशित केलैथ । लाइन प्रोड्यूसर अजीत सिंह, एडिटर गोविंद दुबे, मेकअप पंकज झा आर पब्लिसिटी डिजाइन सुमित्रा सिंह केलैथ यै। मैथिली सिनेमा 'प्रेमक बसात' कतर और यूएई में सेहो रिलीज होइत।

#म्यूजिक लॉन्च #मैथिली फ़िल्म #प्रेमक बसात #मैथिली समाचार

Post a Comment

0 Comments