सुरत:[प्रणव चौधरी] गुजरातक सुरत जिला में रहनाहर मैथिल सभ हरेक बरखक भांति एहु बेर आदर्श मिथिला मंडलक तत्तवाधान में महाकाली पूजाक आयोजन करैए जा रहल अछि।सबस पैघ गप जे मिथिला सs दुर रहलाक बावजूद सूरत में हजारों मैथिल जूटैत अछि।अपने समस्त सुरत मे रहिनाहर मैथिल समाज केँ सबजाना हकार देल जा रहल अछि। एहि महाकाली पूजा में आबी।महाकाली पूजाक शुभारंभ तारीख 06/11/201 केँ होयत।आओर 10/11/2018 धैर चलत।
पुजाक कार्यक्रम एही प्रकार सs अछि।
तारीख 6-11-2018 मंगल दिन 4 बजे सs 6 बजे धैर सुंदरकांणड पाठ आओर धव्जारोपन होयत।आर राइत में महाकाली पूजन कैल जैत।
तारीख 7-11-2018 क बुधदिन पूजा व आरती कैल जैत।
तारीख 8-11-2018 गुरूवार दिन पुजा,आरती नवचंडी यज्ञ,कुमाइर भोजन,बटुक भोजन,आरती संध्या कालक होयत।
तारीख 9-11-2018 शुक्र दिन क पूजा,आरती महाप्रसाद ,आरती होयत।
तारीख 10-11-2018 शनिवार दिन विसर्जन होयत।
अपने समस्त मैथिल केँ आदर्श मिथिला मंडल केँ तरफ स समस्त मैथिल केँ हकार देल जा रहल अछि,जे एही काली पूजा में आबि क पूजा के सफल बनाबी ।
दर्शन अभिलाषी
समस्त आदर्श मिथिला मंडल
#कालीपूजा #आदर्श मिथिला मंडल #सूरत #मैथिली समाचार
0 Comments