सुपौल:[प्रणव चौधरी] मिथिलाक धिया "आस्था मिश्रा" जे मैथिली सिनेजगत केँ बहुतो रास लघु सिनेमा मे अभिनय कs चुकल छथि आओर आजुक समय मे गायिकीक क्षेत्र मे सभक दिल पर राज कs रहल छथि ओ लोकप्रिय नायिका/गायिका "आस्था मिश्रा" विगत किछु दिनसँ बहुत परेशान छथि।
"आस्था मिश्रा" कहलथि कि किछु दिन पहिने ओ अपन फेसबुक पेज पर लाईव आयल छलथि, अपन फेसबुक लाईव मे ओ मैथिली संगीत जगत मे पसैर रहल अश्लीलताक खिलाफ अपन बात राखने छलथि, बस ओहि दिनसँ हुनका किछु अज्ञात लोकनि द्वारा परेशान कायल जा रहल छैन्ह।
आस्था मिश्रा कहलथि कि हुनका किछु अनजान नंबर सँ बेर - बेर फोन कs केँ लाईव आबि अश्लीलताक खिलाफ अपन बात रखबाक लेल धमकाओल जा रहल अछि संगहि हुनका संग आपत्तिजनक बात सेहो कायल जा रहल अछि।ऐतबे नञि आस्था मिश्र जी केँ ईहो कहल गेल जेँ ज्यो अपने आश्लीलता पर आवाज उठेलू त अहाकेँ गंदा विडियौ बना क वायरल करब।ओर कोनो प्रशासन नञि बचेत।
एही सभ देख आस्था मिश्रा आइ सँ दु दिन पहिले थाना में आवेदन देने छलैथ मुदा थाना कोनो तरहक संज्ञान नञि लेलक।ओहिके बाद आस्था मिश्रा आइ सुपौल केँ ए.सी.पी केँ आवेदन द अप्पन सुरक्षाक गुहार लगेली।आर सुपौल थान में एफ. आई.आर दर्ज करबैल गेल अछि।थाना प्रभारी कहलैथ जे की हम बहुत जल्दी दोषी केँ पकैर लेब।अखन फिलहाल थाना में सभ नंबर देल गेल अछि,आर थाना अप्पन काज कs रहल अछि।
#धमकी # अश्लीलताक खिलाफ आवाज उथेनिहार पर #सुपौल #मैथिली समाचार
0 Comments