Random Posts

header ads

1 सितंबर से 10 सितंबर केर बीच मिथिला स्टूडेंट यूनियन (MSU) चलैत सदस्यता अभियान:विद्या भूषण

 दरभंगा: मिथिला स्टूडेंट यूनियनक राष्ट्रीय प्रवक्ता विद्या भूषण राय विज्ञप्ति केर माध्यम से जानकारी देलैथ जे आबैए बला 1 सितंबर से 10 सितंबर केर बीच युद्धस्तर पर LNMU,BRABU,BNMU सहित दरभंगा, मधुबनी,समस्तीपुर,सहरसा, सुपौल, मुज्जफरपुर आऔर सीतामढ़ी केर संग पटना , दिल्ली - मुंबई कोलकाता और भी प्रदेश में सेहो सदस्य्ता अभियान चलाओल जैत।

विद्या भूषण राय  विज्ञप्ति केर माध्यम से कहलैथ जे कि सदस्य्ता अभियान निरंकुश सत्ताधीशक खिलाफ एकटा आंदोलन केर एलान कैल जैत। सन् 1990 केर बाद से बिहार में कोनो भी नया उद्योगक स्थापना नै कैल गेल।नवा उद्योगक लगेबाक ते दूर केर बात अछि जे पहिले से छल स्थापित उहो उद्योग बंद के देल गेल। चाहे उ सकरी केर चीनी मिल होए, दरभंगाक अशोक पेपर मिल या बेगूसराय केर आसपासक कैको उद्दोग। यैह वजह अछि कि रोजगारक तलाश में मिथिलाक नौजवान देश केर विभिन्न राज्य में जा रहल अछि। ऐहेन नैए अछि जे कि मिथिलाक नौजवान मेहनती नैए अछि या मैथिल कुशल नैए अछि।मैथिल मेहनती भी अछि आऔर कुशल सेहो, मुदा ऐहिके लेल मिथिला में रोजगार नैए अछि। मैथिल  प्रवासी केर कहब अछि कि हम बाहर जाके रैह रहल छी,अगर हमरा मिथिला में ही काम भेटैए ते हम अप्पन घर परीवार छोइड़ के हज़ार दु हजार किलोमीटर कियैक ऐब..?

भूषण कहलैथ जे हमर सेनानी सभ जिलाध्यक्ष - प्रदेश अध्यक्ष एही संदर्भ में तैयारी आरम्भ के देलैथ यै।               
     

Post a Comment

0 Comments