Random Posts

header ads

धारा 370 हैटते सामने आओल कश्मीरी लड़की संग विवाहक मामला, मिथिला पहुँचल कश्मीरी पुलिस



सुपौल: कश्मीर से धारा 370 खत्म भs गेल अछि, आब एहिके प्रभाव सेहो सामने देखबाक लेल भेट रहल अछी। अखन एकटा टटका घटना जे सुपौल जिलाक राघोपुर थानाक्षेत्रक रहैए बला दूगो युवक से जुड़ल अछि। ओहि युवक पर आरोप अछि जे की उक्त युवक कश्मीर सs लड़की के भगा क' आनलक, हालांकि एही मामला में युवती ओहि आरोप केर खारिज करैत कहली यै जे कि हम एही लड़का से प्यार करैत छी आऔर हम विवाह सेहो के लेने छी।


 राघोपुर थाना क्षेत्रक रामबिशनपुर निवासी परवेज़ आलम, और हुनक भाई कश्मीर में राज मिस्त्री के काम करैथ छल, ओर एही दुनु भाई के कश्मीर के रहनिहार नादिया और साइना जे कश्मीर केर जिला रामवन केर रहैए वाली बताओल जा रहल अछि। एहि दुनु के ओहि दुनु भाई सs प्यार भs गेल आऔर फेर ओकरा सs विवाह सेहो दुनु के लेलक,जेहिके बाद दुनु भाई अपन अपन कनिया केर संग सुपौल आइब गेल।

लड़की के पिता यूसुफ कश्मीर में अप्पन नाबालिग लड़की केर अपहरणक केस दर्ज करबेने छल। जाहि मामला में अनुसंधान के लs क' कश्मीर पुलिस सुपौल पहुंचल आओर दुनु युवती के अप्पन कब्जा में लक' आगा के कार्रवाई में जुइट गेल अछि। दुनु युवक के कहब अछि जे कि हम एही लड़की सs कोर्ट में विवाह केने छी, जाहिके सबूत सेहो हमरा पास अछि। अखन फिलहाल सुपौल पहुंचल कश्मीर पुलिस दुनु आरोपी भाई के सेहो न्यायायीक हिरासत में लs कs पूछताछ कs रहल अछि।

Post a Comment

0 Comments