Random Posts

header ads

देश रत्नक प्रतिमा पर असामाजिक तत्व द्वारा कालिख पोतल गेल ! स्थानीय लोक द्वारा कएल गेल साफ, जाहि केँ बाद क्रेडिट लेबाक मचल होड़!




दरभंगाः[प्रणव कुमार चौधरी] दरभंगा जिला में डॉ. राजेन्द्र प्रसाद केँ प्रतिमा पर रविदिनक राइत असामाजिक तत्व सभ कालिख पोइत देलक।हुनक प्रतिमा पर कालिख पोतैए केँ सूचना भेटैए पर नगर निगम केर अधिकारी सभ में हड़कम्प मैच गेल। एही तरहक खबैर भेटला पर बाइसी मेहतर समाज संस्थानक एक दर्जन कार्यकर्ता ओही जगह पहुंच गेल आओर काफी मेहनतक बाद राजेन्द्र बाबू केँ प्रतिमा केँ साफ केलैथ।एही मामला में डीएम डॉ. चंद्रशेखर सिंह कहलैथ  , ई  मानसिक रूप सँ विक्षिप्त आदमी केँ करतूत अछि।प्रतिमा केँ सुरक्षाक लेल सेहो कदम उठाओल जैत , ओतैए नगर आयुक्त नागेन्द्र कुमार सिंह कहलैथ कि उक्त मामला केँ लकs नगर थाने में एफ.आई.आर दर्ज कराओल गेल अछि।
ओम्हर प्रतिमाक सफाई में लागल बाइसी मेहतर समाज संस्थान केर अध्यक्ष रामाशीष राम व सचिव राजू राम केर अलावा सचिन राम, बौका राम, छोटा लाल राम, शंभू राम, श्याम राम सभ एही मामलाक उच्च स्तरक जांच केँ मांग केलैथ । ओ सभ कहलैथ कि महापुरुषक प्रतिमा केँ संग एही तरहक खिलवाड़ बर्दाश्त नञि करब। ओ सभ आरोप लगेलैथ  कि टाउन हॉल (राजेन्द्र भवन) में सुरक्षाक कोनो इंजाम नञि अछि। नगर निगम केर अधिकारी सभ टाउन हॉल केँ लावारिस हालत में छोइड़ देलैथ । ओहि जगह हमेशा असामाजिक तत्वक जमावड़ लागल रहैत अछि। ओ  लोग सभ टाउन हॉल परिसर में सुरक्षा गार्डक तैनाती केँ अलावा ओतय  सीसीटीवी लगेबाक मांग केलैथये । ओतैए दोसर तरफ भाजपा जिलाध्यक्ष हरि सहनी केर नेतृत्व में एकटा प्रतिनिधिमंडल डीएम सँ भेट कs राजेन्द्र बाबू केँ प्रतिमा पर कालिख पोतैए बला पर देशद्रोहक मुकदमा दर्ज करबाक मांग केलक । एही प्रतिनिधिमंडल में आदित्य नारायण चौधरी ‘मन्ना, राजेश रंजन, संतोष पासवान रामचन्द्र साह, संजीव गुप्ता, विशाल महासेठ व निशंक चौधरी शामिल छेलैथ।
# प्रथम राष्ट्रपति प्रतिमा संग छेड़छाड़ #दरभंगा #मैथिली समाचार

Post a Comment

0 Comments