जमुई: जमुई केर महिसौड़ी में चैल रहल सेक्स रैकेटक भंडाफोड़ भेल अछि। पुलिस एक मकान सँ एक महिला के ओहि पंचायतक मुखिया सहित चाइर गोटाक संग गिरफ्तार केलके । छापामारी केँ दौरान कटेको आपत्तिजनक सामान सेहो बरामद कायल गेल अछि।बरामद भेल समान सँ यह स्पष्ट भs रहल अछि कि उक्त स्थान पर सेक्स रैकेट केँ धंधा चलाओल जा रहल छल। पुलिसक ई कार्रवाई काइल दोपहरक बाद एस.डी.पी.ओ रामपुकार सिंहक अगुवाई में जमुई थानाक पुलिस केलके । पुलिस छापामारी में खैरा प्रखंडक हड़खार पंचायत केर मुखिया , सह मुखिया संघक प्रखंड अध्यक्ष मुन्ना साह, मकान मालिक कन्हैया सिंह आर मुकेश साह नामक युवक केँ गिरफ्तार केलक। पकड़ल गेल महिला भागलपुर जिलाक बताओल जा रहल अछि। महिसौड़ी केर एकटा मकान में एही तरहक धंधा चलाओल जा रहल छल। अखन फिलहाल एही मामलाक जांच चैल रहल अछि।
#देह व्यापार #नेताक घर #जमुई #मैथिली समाचार
0 Comments