Random Posts

header ads

महादेव पुजाक तैयारी हर्षोल्लास सँ भs रहल अछि ।



मधूबनी: मधूबनी जिलाक मधेपुर प्रखंडक पचही गाम में स्थित सिद्धपीठ चामुण्डा स्थान में पाँच दिवसीय महादेव पुजाक तैयारी जोड़-शोर सँ चैल रहल अछि। इ 28वी महादेव पुजा केँ सफल आयोजन करबाक लेल शनिदिन चामुण्डा स्थान में एकटा बैसार कायल गेल,जाही में विचार विमर्श  कायल गेल जे पुजा कोना सफल होयत। ई पूजा 25 अक्टूबर सँ 29 अक्टूबर धैर चलत।महादेव पुजा आयोजन समितिक अध्यक्ष टुनटुन मिश्रा आर कोषाध्यक्ष अशोक झा कहलैथ की ऐही पांच दिवसीय पूजा में पहिल दिन सँ भजन कीर्तन प्रवचन सहित सांस्कृतिक कार्यक्रम केँ आयोजन कायल गेल अछि।एही बैठक में अध्यक्ष टुनटुन मिश्रा, कोषाध्यक्ष अशोक झा,सचिव राकेश झा, सोनु झा ,जयचंद्र झा,मुकेश झा, गोरीशंकर झा,अमर जी झा,संतोष कामती संग बहुत रास ग्रामीण उपस्थित छलैथ।
पुजाक कार्यक्रम एही प्रकार सँ अछि

शुभारम्भ-25/10/2018    विसर्जन-29/10/2018

संध्या भजन संग कथा प्रवचन  स्वामी अमितेश जी केँ द्वारा
समय 4:00 बजे शाझ सेँ 7:00 बजे राइत तक।

तारीख - 25/10/2018 कs मैथिली सांस्कृतिक कार्यक्रम-रामसेवक ठाकुर एवं हुनकर टीम
तारीख - 26/10/2018 कs मैथिली सांस्कृतिक कार्यक्रम-माधव राय, विकाश झा, जुली झा एवं राधे भाई   
तारिख- 27/10/2018 कs रंगारंग  कार्यक्रम 
तारीख - 28/10/2018 कs रंगारंग  कार्यक्रम
तारीख - 29/10/2018 कs विधिवद समापन ।
#महादेव पूजा #मधुबनी #मैथिली समाचार

Post a Comment

0 Comments