मधूबनी:[सुरज गुंजन] एक तरफ जेतैए बिहारक मुख्यमंत्री "नीतीश कुमार" सीना ठोइक कहैए छैथ बिहार में दारु बंद अछि।ओतैए बिहार सरकारक सच्चाई केँ पोल खेलैए बला बला घटना सामना आयल अछि। मधूबनी जिलाक अंधराठाढ़ी थाना क्षेत्रक सहुरिया गांवक निवासी भोगेन्द्र चौधरी थाना में आवेदन दकs शराबी सभ सs सुरक्षाक गुहार लगेलक । पुलिस केँ देल गेल आवेदन में चौधरी अपने गांवक रूपेश झा हुनक पिता हर्ष नारायण झा पर दारू पी कs गाली गलौज व हंगामा करैए आर मध्य राइत कs घर पर पत्थर फेंकबाक आरोप लगेलैथये ।
अप्पन आवेदन में चौधरी कहलैथ कि रूपेश कुमार रोज दिन शराबक नशा में गाली गलौज आर हंगामा करैत अछि। एही कारण आसपासक लोग सभहक जीनाइ हराम भ गेल अछि। रूपेश झा केँ संग संग ओहि गांवक किछु आओर आवारा लड़का सभ दारू पी कs रोज आम लोक सभकेँ संग गाली गलौज करैत अछि। शुक्र दिनक की मध्य राइत में सेहो नशा में चूर रुपेश झा हमर घरक सामने आइब क गाली गलौज करैए लागल।
जखन चौधरी रोकबाक कोशिश केलक तँ हुनक घर पर पत्थर फेंकनाई चालु कs देलक। आओर संगैह उक्त शराबी धमकी दैत कहलक कि अगर हमरा रोकबाक कोशिश केलैए त हमर दुनु पोता पोती केँ अपहरण कs लेत।
पुलिस केँ देल गेल आवेदन में श्री चौधरी एही मामलाक जांच केर जरूरी कार्यवाही करबाक अनुरोध केलैथया । पुलिस सूत्रक अनुसार एही तरहक कतेको शिकायत पुलिस केँ भेटल आई । थाना प्रभारी रामचंद्र मंडल कहलैथ कि मामलाक जांच केर अबैध शराब पीबैए आर बेचैए बला पर सख्त कार्यवाही कायल जाय ।
#खुलेआम शराब बिक्री # बिहार #मैथिली समाचार
0 Comments