Random Posts

header ads

अमृतसर रेल दुर्घटना पर सीएम नीतीश जतेलैथ दुख ! कहलैथ- ई दोसर टाइप केँ एक्सीडेंट ।



पटना: बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार पंजाब केर अमृतसर में भेल रेल हादसा केँ दु:खद बतेलैथ।  कुमार कहलैथ कि ई रेल दुर्घटना दोसर टाइप केँ एक्सीडेंट अछि। ट्रैक पर चैल रहल रेलगाड़ी केँ तकनीक ऐहेन किछु नञि अछि कि अचानक किछु नजैर  आबैए आर गाड़ी रोइक देल जैत। ई संभव नञि पाबैत अछि। ऐहेन परिस्थिति में अगर रेलवे ट्रैक केर बगल में कोनो कार्यक्रम होइत अछि, तँ पहिले सs ही पूरा सुरक्षाक इंतजाम होबाक चाही।

हम नञि जानैत छी कि किनकर इजाजत सs ओहि जगह कार्यक्रम छल ? रेलवे केँ जानकारी छल व नञि ? जेँ किछु भी भेल ई बहुत दुःखद अछि। विधानसभा परिसर में पत्रकार सभसँ बातचीत में मुख्यमंत्री कहलैथ कि जेँ लोग सभ पीड़ित भेलैथ है , हुनका प्रति हमर गहरा संवेदना अछि। पहिल सेँ सचेत रहबा पर ऐहेन घटना नञि भ सकैत छल।आयोजक केँ कोनो आयोजनक पहिले लोग सभहक सुरक्षा एवं आर चीज सभहक बारे में सोचबाक चाही। मुख्यमंत्री कहलैथ कि अप्पन राज्यक सेहो किछु  लोग शिकार भेलैथ एही हदसा केँ , हुनका  सबके प्रति सेहो हम अप्पश शोक संवेदना प्रकट करैत छी।
#संवेदना #अमृतसर घटना #बिहारक cm #मैथिली समाचार

Post a Comment

0 Comments