Random Posts

header ads

मिथिलाक धिया "अमिषा" बिहार टीमक बनली उप कप्तान।



दरभंगा:[प्रणव चौधरी] दरभंगा जिलाक हावीभौआर गांव केँ क्रिकेटर अमिषा कुमारी उर्फ अंशु केँ बिहारक महिला क्रिकेट टीम केँ उप कप्तान बनाओल गेल अछि। अंशू उप कप्तानक रूप में भुवनेश्वर में एक दिसम्बर सs 20 दिसम्बर तक होबैए बला प्रतियोगिता में बिहार टीमक प्रतिनिधित्व करती । बिहारक टीम बीसीसीआई सs मान्यता भेटलाक 18 वरखक बाद प्रतियोगिता में भाग लs रहल आई । अमिषा हावीभौआर निवासी गोपी रमण चौधरी व दुर्गा चौधरी केँ बेटी छैथ। किसानक परिवार सs निकलल बिहार क्रिकेट में शिखर तक पहुंचाबैए बाली अमिषा कहलैथ  कि बिहार राज्य में महिलाक प्रतिभा केँ कमी नञि अछि। ग्रामीण परिवेश सs आबैए के बाद सेहो आगा बरहैए में अंशू केँ परिवार भरपूर सहयोग देलक। अमिषा भुवनेश्वर में बेहतर प्रदर्शन केँ उम्मीद बतेलैथ ।
#उपकप्तान # महिला क्रिकेट टीम #बिहार #मैथिली समाचार 

Post a Comment

0 Comments