Random Posts

header ads

एकटा बुच्ची केँ गला रेतक रोडक कात फेंकलक, गंभीर हालत में बुच्ची छैथ अस्पताल में भर्ती।




पुर्णिया: मधेपुरा केँ चौसा थाना क्षेत्रक चौसा-चिरौरी मुख्य रोड पर बेहोशी केँ हालत में भेटल एक छात्रा केँ ग्रामीण सभ पीएचसी में भर्ती करबेलक ।चिकित्सक छात्राक गंभीर हालत केँ देखैत हुनका भागलपुर रेफर कँ देलक। आशंका जताओल जा रहल अछि कि गैंगरेप केँ बाद हत्या करबाक मंशा सs गला रेतकर छात्रा केँ रोडक साइड में फेंक देल गेल।चौसा गोठ बस्ती केँ पासवान टोलाक नजदीक शैन दिनक भोर में करीब पांच बजे स्थनीय लोग सभ लहूलुहान हालत में छात्रा केँ रोडक साइड में देखलक। स्थानीय लोग सभ तखन एही घटना केँ बारे में पुलिस केँ सूचना देलक। पुलीस घटनास्थल पर पहुच कs छात्रा केँ चौसा पीएचसी में भर्ती करबेलक। 
एही बीच प्रभारी थानाध्यक्ष श्यामचंद्र झा पीएचसी पहुंच केँ छात्रा सs पूछताछ केलक । छात्रा कहलैथ कि हम बीए पार्ट वन केँ छात्रा छी।ओहि बच्चीया केँ घर पूर्णिया जिला में भवानीपुर अछि। बच्चीया पूर्णियाक एगो हॉस्टल में रैहकs पढ़ाई करैत छलैथ। शुक्रदिश केँ शाझ में ओ अपन हॉस्टल सs घर भवानीपुर केर लेल ऑटो सs निकलल छेली। ओही बच्चीया केँ संग सs दुगो एंड़ायड फोन आर सात हजार रुपया सेहो भेटल अछि।पूर्णिया सs भवानीपुर तक आबैए केँ जानकारी हुनका पास अछि,मुदा ओहिकेँ बाद ओ चौसा केना पहुंचली ओहिकेँ किछु पता नञि चलल। छात्रा बतेलैथ कि चौसा केँ दुगो लड़का पूर्णिया में हुनक बराबर पीछा करैत रहैत छल। ओहि लड़का सभकेँ नाम फर्द बयान में बताओल गेल अछि।थानाध्यक्ष बतेलैथ , कि पीड़िता केँ बयानक आधार पर आरोपी केँ गिरफ्तारी करबाक लेल संबंधित जगह पर छापामारी कैल जा रहल अछि।
#छात्रा संग हत्या कोशिश #पूर्णिया #मैथिली समाचार

Post a Comment

0 Comments