Random Posts

header ads

मुख्यमंत्री"नीतीश कुमार जीक " आगमन केँ लs कs आम जनता में भरल अछि उत्साह, दुल्हिन जेना सजाओल गेल अछि विशनपुर।



दरभंगा:[प्रणव चौधरी] दरभंगा जिलाक हायाघाट प्रखंडक विशनपुर गांव में मुख्यमंत्री नीतीश कुमार केर आगमन केँ लs कs तैयारी सभ आब अंतिम चरण में अछि। मुख्यमंत्री आगामी 20 नवंबर केँ विशनपुर गांव में स्थित राजकीयकृत उत्क्रमित माध्यमिक विद्यालय परिसर में समाजसेवी,शिक्षाविद एवं जदयू नेता स्व. प्रो. उमाकांत चौधरी केँ प्रतिमा केँ अनावरण केँ  बाद सभा केँ संबोधित करता।एहिकेँ लs कs तैयारी आब अंतिम चरण में अछि। भवन निर्माण विभागक अधिकारी जहां बैरिकेडिंग, मंच, टेंट लगेबाक काज कराबैत देखाई देलक , ओतैए आरडब्लूडी वन केँ अधिकारी हैलीपैड सs मुख्यमंत्री केँ सभास्थल तक जाए बला रोड केँ सही करबा में जुटल छल। प्रतिमा स्थल व स्कूल में रंग-पेंट केँ काम पूरा भँ चुकल अछि। रविदिन केँ डीडीसी डॉ. कारी प्रसाद महतो आओर सदर एसडीओ राकेश कुमार गुप्ता बेरा-बेरी सs अलग-अलग पहुंच कs चैल रहल तैयारी केँ जायजा लेलक। दोसर तरफ पूर्व विधान पार्षद एवं जदयू प्रदेश महासचिव डॉ. विनोद कुमार चौधरी, मदरसा बोर्डक पूर्व अध्यक्ष एजाज अहमद , भाजपा जिलाध्यक्ष हरि सहनी, पारसनाथ चौधरी, रामचंद्र प्रसाद  सभास्थल पर पहुच कs ओही जगह चैल रहल काम-काजक जायजा लेलक। मुख्यमंत्री केँ पहिल बेर कार्यक्रम होबैए सs विशनपुर, बसहा, मखनपुर केँ संग-संग आस-पड़ोसक लोग सभ सेहो उत्साहित छैथ। अपने केँ जानकारी द दी जेँ  नीतीश कुमार विशनपुर गांव एही सँ पहिले सेहो आइब चुकल छैथ।
#cm आगमन #दरभंगा #विशनपुर #मैथिली समाचार

Post a Comment

0 Comments