Random Posts

header ads

पहिले बच्चीयाक संग गैंगरेप,फेर वीडियो बना कैलक वायरल ।



नवादा: नवादा जिलाक नरहट थाना क्षेत्रक एगो गांव में ऐकटा बच्चीयाक संग गैंग रेप केलक आओर रेप करैत समयक ओहि बच्चीयाक वीडियो सेहो बना लेलक। काइल यानी रैव दिन सs ओहि बच्चीयाक वीडियो वायरल होबैए पर पीड़िता एफ.आई.आर दर्ज करबेलैथ आई। पुलिस तीनटा आरोपित केँ गिरफ्तार कs अपन कब्जा में राइख लेलक , जखनकी आरोपी सभहक तलाश कैल जा रहल अछि।
पीड़िताक अनुसार, किछु दिन पहिले पड़िता बच्चीया  पढ़बाक लेल स्कूल जाइत छल।ओहि स्कुल जेएबाक दौरान आरोपी सभ ओहि मासुमक संग  गैंगरेप केलक। एही दौरान हुनक वीडियो सेहो बनेने छल। आरोपित वीडियो वायरल करबाक धमकी दs कs कतेको दिन तक उक्त बच्चीयाक संग दुष्कर्म करैत रहल। रविदिन एही घटनाक जानकारी पीड़िता अपन परिजन केँ देलक। ऐही केँ पता चलला पर आरोपी उक्त बच्चीयाक संग भेल गैंगरेप केँ वीडियो सोशल मीडिया पर वायरल कs देलक।ऐही वीडियो केँ वायरल होइते पुरा गांवक माहौल गरमा गेल। ऐहीकेँ बाद पीड़िता फेर अपन बहिनक संग थाना पहुंचल आर पूरा घटनाक्रम सs पुलिस केँ अवगत करबेली। पुलिस पीड़िता केर बयान पर प्राथमिकी दर्ज कँ एही घटना में शामिल राहुल कुमार, अंकित कुमार आर रमेश विश्वकर्मा केँ गिरफ्तार कs लेलक अछि। थानाध्यक्ष धर्मेंद्र प्रसाद बतेलैथ , कि उक्त मामलाक प्राथमिकी दर्ज क तीनगो आरोपी केँ गिरफ्तार कs लेल गेल अछि।पूछताछ में आरोपी सभ घटना में अपन मौजूदगी कबूल केने अछि ।अखन पीड़िता केँ मेडिकल जांचक लेल आइ सोम दिन सदर अस्पताल भेजल गेल अछि ।
#गैंग रेप #वीडियो #वायरल #मैथिली समाचार

Post a Comment

0 Comments