मुजफ्फरपुर: मुजफ्फरपुर बालिका गृह कांड में पति केँ नाम आबैए केर बाद मंजू वर्मा केँ अपन मंत्री पद छिना गेल छल। पुलिस आर सीबीआईक टीम पूर्व मंत्री केर आवास पर छापामारी केँ दौरान 50टा कारतूस बरामद केने छल आर आर्म्स एक्ट में मुकदमा दर्ज केने छल। एही मामले में मंजू वर्मा आर हुनक पति केँ नामजद कैल गेल छल। सुनक पति चंद्रशेखर तँ पिछला सप्ताह बेगूसराय कोर्ट में आत्मसमर्पण कs देने छलैथ मुदा मंजू वर्मा केँ पुलिस गिरफ्तार नञि कs पाओल छल।
पुलिसक नाकामी पर सुप्रीम कोर्ट तीखी टिप्पणी केने छल आर डीजीपी केँ अगला तारीख पर तलब केने छल। एही बीच शुक्रदिन केँ कुर्सी जब्ती केँ आदेश कोर्ट सs भेटलाक बाद पुलिस शनिदिन दुपहर में कुर्सी जब्ती केँ कार्रवाई शुरू केलक । एसपी खुद एही कार्रवाई केँ नेतृत्व कर रहल अछि।
एहिसँ पहिले शुक्रदिन केँ पूर्व मंत्री मंजू वर्माक गिरफ्तारी केर सवाल पर डीजीपी के.एस द्विवेदी कहलैथ कि एगो अपराधी केँ तरह ही हुनकर खिलाफ सेहो कार्रवाई कैल जा रहल अछि। कानूनी प्रक्रियाक तहत पुलिसक कार्रवाई चालू अछि। मंजू वर्मा केँ गिरफ्तारी केर लेल पुलिस छापामारी क रहल छैथ। ओ कहलैथ कि गिरफ्तारी केर लेल हम प्रयासरत छी आर पूरा तत्परता सँ हुनक तलाश कैल जा रहल अछि। मीडिया सभहक द्वारा पूछल गेल सवाल पर कहलैथ कि गिरफ्तारी केँ समय सीमा तय नञि कैल जा सकैत अछि।
#कुर्सी जब्ती #पूर्व समाज कल्याण मंत्रीक पति #बिहार #मैथिल समाचार
0 Comments