सुपौल: सुपौल में मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सs भेट करबाक लेल आऐल छात्र राजद कार्यकर्ता पर पुलिसक बल प्रयोग करैए सs लोहिया चौक पर अराजक स्थिति पैदा भs गेल। पुलिसक लाठीचार्ज सs आक्रोशित छात्र राजद कार्यकर्ता सभ सहरसा केँ अतिपिछड़ा सम्मेलन में जा रहल दर्जन भैर गाड़ी केँ शीशा तोइड़ देलक। बाद में पुलिस उपद्रवि सभकेँ संग-संग आमलोग सभकेँ सेहो दौड़ा-दौड़ा कs पीटलक। पुलिस अखन तक एही मामला में 20 गो नामजद आर 50 गो अज्ञातक खिलाफ केस दर्ज केलक आई।
बुधदिनक भोरक करीब 11 बजे नीतीश कुमार सुपौल सs सड़क मार्ग सs सहरसा में पार्टी केर होबैए वाला सम्मेलन में भाग लेबाक लेल जा रहल छलैथ। छात्र राजद कार्यकर्ता दरभंगा में एम्स शिफ्ट करबाक मुद्दा केँ लs कs सीएम सs भेट करबाक लेल अड़ल छल । एही बीच पुलिस प्रशासन कार्यकर्ता सभ पर बल प्रयोग करैत सीएम केर काफिला केँ आगा निकाइल देलक। ओहिके बाद राजद कार्यकर्ता सभ नीक सs उत्पात मचेलक।पुलिसक लाठीचार्ज सs आक्रोशित भेल छात्र राजद कार्यकर्ता सहरसा केँ अतिपिछड़ा सम्मेलन में जा रहल दर्जन भैर गाड़ी सभहक शीशा तोइड़ देलक।एतबी नञि रोडक साइड में लागल   होर्डिंग आओर बैनर-पोस्टर फाइड़ देलक। ओ सभ पुलिसकर्मी केँ सेहो खदेड़ देलक। छात्र राजद केँ उपद्रव सs लोहियानगर चौक पर स्थिति बेकाबू भ गेल छल।हंगामा केँ शांत करेबाक लेल लिए पहुंचल पुलिस उपद्रवी केँ संग-संग आमलोग सभकेँ सेहो दौड़ा-दौड़ा कs पीटलक। बच्चा, बूढ़ आर महिला केँ सेहो नञि  बख्शल गेल। पुलिस कर्मी सभ बस स्टैंड आर दुकान में घुइस-घुइसक लोग सभकेँ पीटलक।एही दौरान खबैर कवरेज क रहल एकटा मीडियाकर्मी पर सेहो लाठी चलाओल गेल।पुलिसक लाठीचार्ज आर छात्र राजद केँ हंगामा में लगभग एक दर्जन लोग सभकेँ गंभीर चोट लागल अछि। छात्र राजद केँ उपद्रव आर पुलिसक बर्बरतापूर्ण कार्रवाई सs लगभग दु घंटा तक लोहियानगर चौकक माहौल आफरातफरी रहल। दुपहर एक बजे केँ बाद स्थिति सामान्य भेल।डीएम बैद्यनाथ यादव आर एसपी मृत्युंजय कुमार एही घटना केँ लेल पूरा तरह सs छात्र राजद आर जाप कार्यकर्ता केँ दोषी बतेलैथ ।आओर कहलैथ कि एही मामले में 20 गो नामजद आर 50 गो अज्ञातक खिलाफ केस दर्ज कैल गेल अछि।
#लाठी चार्ज #राजद छात्रसंघ कार्यकर्ता #सुपौल #मैथिली समाचार