दिल्ली: जन अधिकार पार्टी केँ राष्ट्रीय संरक्षक आ मधेपुरा सँ सांसद राजेश रंजन उर्फ पप्पू यादव केँ जान सँ मारबाक घमकी देल गेल अछि । सांसद पप्पू यादव राजधानी केँ तिलक मार्ग इलाका में रहैत छैथ।हुनक मोबाइल फोन पर जान सँ मारबाक धमकी भेटल अछि।एही संबंध में हुनक निजी सचिव तिलक मार्ग थाने में शिकायत दर्ज करबेने अछि। अखन पुलिस एही मामलाक जांच कs रहल अछि।पुलिस केँ देल गेल शिकायत में ई कहल गेल अछि कि विदेश सँ आओल एगो फोन कॉल पर यादव केँ जान सँ मारबाक धमकी मिलल आई।आओर जाहि समय हुनका धमकी देल गेल, ओही समय पप्पू यादव दिल्ली में ही छलैथ। एही कारण सँ एही घटनाक संबंध में तिलक मार्ग थाने में शिकायत देल गेल अछि। हालांकि पुलिस जांचक बात कहैत एही बारे में जानकारी दैए सँ बैच रहल अछि।
#धमकी #जान सँ मरवाक #सांसद पप्पू यादव #मैथिली समाचार
0 Comments